शनिवार, 13 फ़रवरी 2010

मुगल गार्डन आइ सं 11 मार्च धरिक लेल खुजल

  • राष्ट्रपति भवन परिसर में छैक मुगल गार्डन। आइ सं 11 मार्च तक भोर 10 बजे सं सांझ 5 बजे तक सोम छोड़ि सभ दिन खुजल रहत-सभहक लेल। सांझ चारि बजे के बाद प्रवेश नहिं।
  • गुलाबक मारिते वैरायटी-सेंटिमेंटल, सेंचुरी टू, अमेलिया, चाइना मैन, पूसा पीतांबर, लैंडोरा, फर्स्ट प्राइज, शरबत, आइस बर्ग, मोंटेजुमा, समर स्नो, लूईसियाना, ओक्ला होमा, पासाडेना, क्रिश्चियन डिओर, क्वीन एलीजाबेथ, सुपर स्टार, मदर टेरेसा, माचो मैन, पिंक परफेट, मोंटेजुमा, अर्जुन आदि देखि सकैत छी।
  • लाल आ पीयर रंगक ट्यूलिप, लिली, डबल पेंसी, क्लेंडुला, पोप्पी, गेंदा, गंधवेणु, स्टॉक आदि सेहो उपलब्ध।
  • एहि बेरक मुख्य आकर्षण के केंद्र छैक कैक्टस आ बोनसाई खंड।
  • म्यूजिकल,हर्बल,स्पिरिचुअल गार्डन आ बायोडायवर्सिटी पार्क सेहो देख सकब।
  • मुगल गार्डन के पसार १५ एक़ड़ में छैक। जम्मू-कश्मीर के गार्डन सं प्रभावित भ कए सर लुटियंस एकरा डिजाइन कएने छलाह।
  • मुगल गार्डन तीन भाग में छैक। पहिल हिस्सा रेक्टेंगलर गार्डन छैक, जे मुख्य राष्ट्रपति भवन सं जु़ड़ल छैक। मध्य हिस्सा लांग गार्डन आर आखिरी हिस्सा सर्कुलर गार्डन छैक।
  • बायोडायवर्सिटी पार्क में हिरण, बतख, टर्की समेत मारिते प्रवासी पक्षी सं भेट हएत। मोर सेहो। एहिठाम ३३ तरहक औषधीय पौधा छैक जाहिमें जटरोफा सेहो छैक जाहिसं बायो-डीजल तैयार होइछ। सर्दी के मौसम में एतय सब्जी सभहक खेती सेहो होइत छैक।
  • चर्च रोड के अंत में स्थित राष्ट्रपति संपदा के 35नंबर गेट सं गार्डन में प्रवेश। व्हीलचेयर इस्तेमाल करनिहार राष्ट्रपति भवन के स्वागत कक्ष होइत जा सकैत छथि। विकलांगलोकनि हुकमी माई मार्ग अथवा राजपथ सं राष्ट्रपति भवन पहुंच सकैत छथि। नेत्रहीनलोकनिक लेल राष्ट्रपति भवन के 12 नंबर गेट सं प्रवेश।
  • पानिक बोतल, ब्रीफकेस, हैडबैग, महिला सभहक पर्स, कैमरा, रेडियो ट्रांजिस्टर, मोबाइल फोन, हथियार आर खाद्यपदार्थ नहिं अनबाक अनुरोध कएल गेल छैक।
  • पछिला बरख 5.75 लाख लोक देखने छलाह मुगल गार्डन।

www.upchar.blogspot.com

1 टिप्पणी: