(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शनिवार, 9 अक्तूबर 2010

करब नै हम नेतागिरी रोजगार


यो बाबु करब नै,
हम नेतागिरी रोजगार --
लोग कहैत अछि--
ई छी मतलबी दुनियां ,
कम काज पर नै कोनो विचार
लुट - माइर में सब से आगू ,
अपना के कहैत अछि होशियार
यो बाबु करब नै ,
हम नेतागिरी रोजगार --

अपन जिनगी के शर्थक बुझायथ
गरीब जिनगी के नै कोनो उपचार ,
भोट मंगैय लेल दउर - दउर आबैथी
आ काज परलैन त नै कोनो सरोकार ,
यो बाबु करब नै ,
हम नेतागिरी रोजगार --

खन दरिभंगा खन मधुबनी
सब दिन भागैथी बिधान सभा के द्वार ,
खेती - बारी के देखैत अछि ,
जोन- हरवाह के कतेक उपकार
यो बाबु करब नै ,
हम नेतागिरी रोजगार --

रेडियो टी वी सब दिन कहिया
नेता लोकिन नै केलेन परोपकार ,
अपन पेटक रोजी - रोटी लै
हरदम उठेलैन अपन ललकार ,
यो बाबु करब नै ,
हम नेतागिरी रोजगार --

लेखक -
मदन  कुमार  ठाकुर  
पट्टीटोल , भैरब स्थान ,
झंझारपुर , मधुबनी , बिहार
Mo -9312460150

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें