(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 8 नवंबर 2010

!!!मैथिली क भेटल एकटा नया आधार!!!


मैथिली भाषा आ मनोरंजन क्षेत्र क विकाशक लेल कएल जा रहल प्रयासक अंतर्गतएकटा महत्वपूर्ण कड़ी क रूप मं मिथिलांचलक निर्माण मोशन पिक्चर्सप्राईवेट लिमिटेड क बैनर तले मैथिली फ़ीचर फ़िल्म “मुखिया जी” क मुहूर्तविगत मंगलवार क भारतक मधुबनी जिल्ला अंतर्गत झंझारपुर अनुमंडल में संपन्नभेल। ई फ़िल्मक निर्माणक शुरूआत स संपूर्ण मिथिलांचलक समाज में अभूतपूर्वखुशी ऐछ। फ़िल्मक मुहूर्त में उपस्थित फ़िल्मक निर्माता रूपेश कुमारमिश्रा एवं प्रोड्क्शन हेड राजेश मिश्रा बतेलखिन जे मुखिया जी फ़िल्ममिथिलांचलक सामाजिक समस्या आ कुरीति पर हास्य आ व्यंग्यात्मक रूप सकटाक्ष करैत ऐछ। ई फ़िल्म पूर्व मं मैथिली मं बनल फ़िल्म स हैट क हौलीवुडआ बौलीवुड फ़िल्मक समकक्ष बनाईल जा रहल ऐछ। ई फ़िल्मक पोस्ट प्रोड्क्शनमुंबई मं हेतै आ रिलीजिंग क प्रबंध भवेश नंदन झा द्वारा हेतै अत्याधुनिकतकनीक और स्पेशल ईफ़ेक्ट से भरपूर मुखिया जी समाजक हर वर्गक मनोरंजन करत।ई बात क विशेष ख्याल राखल गेल ऐछ. फ़िल्म क मुख्य अभिनेता सुभाष चंद्रमिश्रा छैथ जिनका १७ टा लघु फ़िल्मक अनुभव छैन. निर्देशक विकास झा एवं सहनिर्देशक सजन सार्जन छैथ. फ़िल्म में नेपालक मिनाप क पूर्ण सहयोग ऐछ.मिनापक अध्य्क्ष सुनिल मल्लिक क कथनानुसार मिनाप हमेशा स मैथिली क पूर्णविकास क लेल तत्पर छै, चाहे ओ नेपाल हो या भारत. ई फ़िल्म में कुल मिलाकर३१६ टा कलाकार छैथ. ई फ़िल्म मं मिनापक मुख्य कलाकार प्रमेश झा, बी. एन.पटेल, रामनारायण जी, विष्णुकांत ठाकुर, रौशनी झा, अनिता रानी, संदीप,घनश्याम जी छैथ. फ़िल्म क संगीत श्री प्रवेश मल्लिक आ गीतकार डौक्टरराजेन्द्र विमल जी छैथ.हरेक भाषा क बढबै क लेल चलचित्र एक्टा महत्वपूर्ण भूमिका निभबै छै. जकरअभाव क प्रत्यक्ष उदाहरण अपना सबहक मैथिली भाषा क संगे भो रहल ऐछ. ईहेकमी क निवारण हेतू "निर्माण" संकल्पित भ अपन प्रथम मैथिली फ़िल्म "मुखियाजी" क ल क अपन मैथिल समाज भले ही ओ अपन बिहार मं रहैथ या बंबई या बंगलोरया दिल्लि; क समक्ष वसंत पंचमी मं ऎत।

अपन मैथिल समाज स सहयोगक अपेक्षित--
राजेश मिश्र
प्रोदुक्टिओं मेनेजर
निर्माण मोसन पिक्चर

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें