(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

रविवार, 14 फ़रवरी 2010

मिथिलांगनक नव अंकक स्वागत करू

दिल्ली सं प्रकाशित मैथिली त्रैमासिक मिथिलांगन केर नव अंक(अक्टूबर,2009-मार्च,2010) उपलब्ध भ गेल अछि। एहि अंकक सामग्री पर एक दृष्टिः

1. दिव्यताक बीज- अर्जुन नारायण चौधरी

2. चर-चित्त(हालक प्रमुख घटनाक्रम आधारित स्तंभ)- गोविन्द चंद्र दास

3. कोसी केर क्रोधक के दोसी(आवरण आलेख)-गोविंद चन्द्र दास

4. शिवताडव स्तोत्र केर मैथिली अनुवाद-उमाचरण कंठ

5. नेपाल अछि जे मैथिली कें बचेने अछि(आचार्य सोमदेव जीक संग वृहद् साक्षात्कार)

6. वृद्ध चिंतन(कविता)- सोमदेव

7. कथा में लीन(कथा)-मानेश्वर मनुज

8. नीन्द में भेल बियाह(घोघ तर सं स्तम्भ में रूपा साहा केर अनुभव)

9. सामिष-निरामिष सूप-सरिता दास

10. गोदना पेंटिंगःदलित आ महिला कल्याणक उदाहरण-रवीन्द्र कुमार दास

11.संवाद परिक्रमा-साहित्य-संस्कृति आधारित कार्यक्रम सभहक संक्षिप्त रिपोर्ट

12. काकी के उछन्नर(वास्तविक घटना आधारित आलेख)-अनिता दास

13. हंसी-ठट्ठाःसर्वनारायण दास

14. तुरंता(कविता)-रवीन्द्र सुमन

15. दू शिक्षाप्रद बाल-कहानी-शालिनी कर्ण

16. रूसी लोकनिक भारत प्रेम-इंदू दास

17. अवाम(गामक परिचय)-मुकेश दत्त

18. पानिक लेल मुंह बौने जमीन-उदय राज

19. अभिनंदन(श्री कौशल कुमार दास के मिथिला विभूति सम्मान आ डॉ. जनक किशोर लाल दासक पोथीक विमोचन संबंधी रिपोर्ट)

20. घर आ कि बंदूक(मुसहर जाति द्वारा बंदूक वरण करबाक खबरि पर विचार आमंत्रण)। पछिला अंकक विषय प्राथमिक शिक्षा व्यवस्थाक बचकानी जीर्णोद्धार पर प्राप्त विचार सेहो।

21. मिथिला दर्शन मैथिली बुझौअलि

22. दिल्ली में मणिपद्म स्मृति-पर्व-डॉ. जनक किशोर लाल दास

23.सामा चकेबा नाटक पर श्यामभद्र केर रिपोर्ट

24. राजधानी में मैथिली रंगमंच कें स्थापित करबाक स्वप्न साकार भ रहल अछि(संजय चौधरी सं श्यामभद्र केर साक्षात्कार)

25. चांदनी चौकक चासनी-रवीन्द्र लाल दास

(पत्रिका प्राप्ति लेल संपर्कः9868182535)
http://www.filmcrossword.blogspot.com/ (फिल्म विषयक ब्लॉग)

शनिवार, 13 फ़रवरी 2010

मुगल गार्डन आइ सं 11 मार्च धरिक लेल खुजल

  • राष्ट्रपति भवन परिसर में छैक मुगल गार्डन। आइ सं 11 मार्च तक भोर 10 बजे सं सांझ 5 बजे तक सोम छोड़ि सभ दिन खुजल रहत-सभहक लेल। सांझ चारि बजे के बाद प्रवेश नहिं।
  • गुलाबक मारिते वैरायटी-सेंटिमेंटल, सेंचुरी टू, अमेलिया, चाइना मैन, पूसा पीतांबर, लैंडोरा, फर्स्ट प्राइज, शरबत, आइस बर्ग, मोंटेजुमा, समर स्नो, लूईसियाना, ओक्ला होमा, पासाडेना, क्रिश्चियन डिओर, क्वीन एलीजाबेथ, सुपर स्टार, मदर टेरेसा, माचो मैन, पिंक परफेट, मोंटेजुमा, अर्जुन आदि देखि सकैत छी।
  • लाल आ पीयर रंगक ट्यूलिप, लिली, डबल पेंसी, क्लेंडुला, पोप्पी, गेंदा, गंधवेणु, स्टॉक आदि सेहो उपलब्ध।
  • एहि बेरक मुख्य आकर्षण के केंद्र छैक कैक्टस आ बोनसाई खंड।
  • म्यूजिकल,हर्बल,स्पिरिचुअल गार्डन आ बायोडायवर्सिटी पार्क सेहो देख सकब।
  • मुगल गार्डन के पसार १५ एक़ड़ में छैक। जम्मू-कश्मीर के गार्डन सं प्रभावित भ कए सर लुटियंस एकरा डिजाइन कएने छलाह।
  • मुगल गार्डन तीन भाग में छैक। पहिल हिस्सा रेक्टेंगलर गार्डन छैक, जे मुख्य राष्ट्रपति भवन सं जु़ड़ल छैक। मध्य हिस्सा लांग गार्डन आर आखिरी हिस्सा सर्कुलर गार्डन छैक।
  • बायोडायवर्सिटी पार्क में हिरण, बतख, टर्की समेत मारिते प्रवासी पक्षी सं भेट हएत। मोर सेहो। एहिठाम ३३ तरहक औषधीय पौधा छैक जाहिमें जटरोफा सेहो छैक जाहिसं बायो-डीजल तैयार होइछ। सर्दी के मौसम में एतय सब्जी सभहक खेती सेहो होइत छैक।
  • चर्च रोड के अंत में स्थित राष्ट्रपति संपदा के 35नंबर गेट सं गार्डन में प्रवेश। व्हीलचेयर इस्तेमाल करनिहार राष्ट्रपति भवन के स्वागत कक्ष होइत जा सकैत छथि। विकलांगलोकनि हुकमी माई मार्ग अथवा राजपथ सं राष्ट्रपति भवन पहुंच सकैत छथि। नेत्रहीनलोकनिक लेल राष्ट्रपति भवन के 12 नंबर गेट सं प्रवेश।
  • पानिक बोतल, ब्रीफकेस, हैडबैग, महिला सभहक पर्स, कैमरा, रेडियो ट्रांजिस्टर, मोबाइल फोन, हथियार आर खाद्यपदार्थ नहिं अनबाक अनुरोध कएल गेल छैक।
  • पछिला बरख 5.75 लाख लोक देखने छलाह मुगल गार्डन।

www.upchar.blogspot.com

मंगलवार, 9 फ़रवरी 2010

बहुत महत्व अछि -----

      (  जिंदगी मेs सभ चीजक सदिखन बहुत महत्व होइत अछि ! चाहे मानव हुअए या कुनू दानव या स्वर्गक भगवान ! ओही शब्द कs याद कराबय लेल हम आइ अपन गाम घर (मैथिली ब्लॉग) पर "बहुत महत्वक जे अछि, से" एकगोट छोट सन् शब्द कोस डिक्सनरी लऽsकऽs पाठकगण के समक्ष उपस्थित छी ! )


                      प्रेमक संग कहू जय मैथिली, जय मिथिला.....



                             ~~~* बहुत महत्त्व अछि *~~~




फल मेs आम के, नशा मेs भांग के, भगवान मेs श्री राम के, बहुत महत्व अछि .....

तरकारी मेs आलू के, नाच मेs भालू के, मंत्री मेs लालू के, बहुत महत्व अछि ......

विषय मे, इतिहास के, ज्ञान मेs वेदव्यास के, मूर्ख म्मेs काली दास के, बहुत महत्व अछि ....

जेल मेs सिपाही के, सड़क पर राही के, कोट मेs गवाही के, बहुत महत्व अछि ......

शहर मेs लंदन के, मस्तक पर चंदन के, पर्व मेs रक्षाबंधन के, बहुत महत्व अछि .....

कार मेs सेंट्रो के, दिल्ली मेs मेट्रो के, बैंक मेs कैश काउन्टर के, बहुत महत्व अछि ....

बिहार मेs कुर्ता के, पान मेs जर्दा के, समसान मेs मुर्दा के, बहुत महत्व अछि ....

लाइफ मेs टेंसन के, वृद्धावस्था मे पेंसन के, ऑफिस मेs सेक्शन के, बहुत महत्व अछि .....

आदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs पट्टीटोल के, बहुत महत्व अछि .....

घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....

रांची मेs मेन्टल के, डॉक्टर मेs डेन्टल के, आदमी मेs जेन्टल के, बहुत महत्व अछि ....

सहर मेs नाली के, झगरा मेs गाली के, ससुराल मेs साली के, बहुत महत्व अछि ...

जार मेs हिट के, गाड़ी मेs सिट के, भोजन मेs मिट के, बहुत महत्व अछि ....

साड़ी मेs कोटा के, पानि पिबय मेs लोटा के, स्कूल मेs सोटा के, बहुत महत्व अछि ....

नाचैय मेs मोर के, बेलमोहन मेs चोर के, समय मेs भोर के, बहुत महत्व अछि ....

भोजन मेs दाँत के, गहूम पिसय मेs जाँत के, पूजा-पाठ मेs भोले नाथ के, बहुत महत्व अछि...

अनाज राखै मेs कोठी के, माछ मेs पोठी के, पेटख़राब मेs गोटी के, बहुत महत्व अछि ....

प्रेमिका मेs राधा के, नारी मेs सीता के, सभ ग्रन्थ मेs गीता के, बहुत महत्व अछि .....
नदी मेs गंगा के, स्वर्ग मेs रम्भा के, हिरोईन मेs प्रियंका के, बहुत महत्व अछि .....

दही मेs लेषन के, पंच्चर मेs सुलेषन के, लड्डू मेs बेषन के, बहुत महत्व अछि .....

सड़क पर धुल के, झंझारपुर मेs पुल के, बगान मेs फूल के, बहुत महत्व अछि .....

पाँव मेs जूता के, गेट पर कुत्ता के, भाषण मेs नेता के, बहुत महत्व अछि .....

गाँव मेs हाट के, चौपाल मेs खाट के, सफाई मेs धोबी घाट के, बहुत महत्व अछि ....

नॉएडा मेs सेक्टर के, फिल्म मेs एक्टर के, गाँव मेs टेक्टर के, बहुत महत्व अछि ....
ब्लोक मेs अमिन के, किरकेटर मेs सचिन के, विश्व मेs सुन्दर हसीन के, बहुत महत्व अछि ....

व्यापार मेs मंदी के, जेबर मेs चांदी के, भारत मेs महात्मा गाँधी के, बहुत महत्व अछि .....

सुइया दै मेs सिरिंच के, बच्चा मेs प्रिन्स के, पेंट मेs जिन्स के, बहुत महत्व अछि .....

सेंसेक्स मेs रेटिंग के, मिथिला मेs पेंटिंग के, फिल्म मेs एक्टिंग के, बहुत महत्व अछि ....

घर मेs सरभेंट के, महिला मेs प्रगनेन्ट के, दिल्ली मेs गर्लफ्रेंड के, बहुत महत्व अछि .....

रसोई मेs चावल के, बिल्डिंग मेs मारवल के, दरबारी मेs बीरबल के, बहुत महत्व अछि....

बन्दूक मेs गोली के, पूजा मेs रोली के, कमिटी मेs बोली के, बहुत महत्व अछि .....
गाछ मेs नीम के, संगीत मेs नादिम के, कसाई मेs जालिम के, बहुत महत्व अछि .....

मुम्बई मेs सेठ के, दिल्ली मेs इंडिया गेट के, शरीर मेs पेट के, बहुत महत्व अछि .....

फौजी मेs बर्दी के, सिलाई मेs दर्जी के, हस्ताक्षर मेs फर्जी के, बहुत महत्व अछि ......

पितरपक्ष मेs तर्पण के,मूह देखै मेs दर्पण के,जीवन मेs आत्मसमर्पण के बहुत महत्व अछि....
दीवाली मेs गिप्ट के, नौकरी मेs सिप्ट के, बिल्डिंग मेs लिप्ट के, बहुत महत्व अछि .....
बारीष मेs बरसाती के, पूजा मेs आरती के, विवाह मेs बरयाती के, बहुत महत्व अछि .....

केश मेs सेम्पू के, सर्कश मेs तम्बू के, अमिताभ बच्चनक लम्बू मेs बहुत महत्व अछि ....

कथा मेs समाप्त के, सामान मेs पर्याप्त के,  कवि में विस्वविखायत के , बहुत महत्व अछि ..........




                                              जय मैथिली, जय मिथिला

मदन कुमार ठाकुर,
 कोठिया पट्टीटोल,
झंझारपुर ,(मधुबनी)
बिहार - ८४७४०४,
मोबाईल +919312460150 ,
ईमेल - madanjagdamba@rediffmail.com
            madanjagdamba@yahoo.com
जिंदगी मेs सभ चीजक सदिखन बहुत महत्व होइत अछि ! चाहे मानव हुअए या कुनू दानव या स्वर्गक भगवान ! ओही शब्द कs याद कराबय लेल हम आइ मैथिल आर मिथिला (मैथिली ब्लॉग) पर "बहुत महत्वक जे अछि, से" एकगोट छोट सन् शब्द कोस डिक्सनरी लऽsकऽs पाठकगण के समक्ष उपस्थित छी !




प्रेमक संग कहू जय मैथिली, जय मिथिला.....



~~~* बहुत महत्त्व अछि *~~~





फल मेs आम के, नशा मेs भांग के, भगवान मेs श्री राम के, बहुत महत्व अछि .....



तरकारी मेs आलू के, नाच मेs भालू के, मंत्री मेs लालू के, बहुत महत्व अछि ......



विषय मे, इतिहास के, ज्ञान मेs वेदव्यास के, मूर्ख म्मेs काली दास के, बहुत महत्व अछि ....



जेल मेs सिपाही के, सड़क पर राही के, कोट मेs गवाही के, बहुत महत्व अछि ......



शहर मेs लंदन के, मस्तक पर चंदन के, पर्व मेs रक्षाबंधन के, बहुत महत्व अछि .....



कार मेs सेंट्रो के, दिल्ली मेs मेट्रो के, बैंक मेs कैश काउन्टर के, बहुत महत्व अछि ....



बिहार मेs कुर्ता के, पान मेs जर्दा के, समसान मेs मुर्दा के, बहुत महत्व अछि ....



लाइफ मेs टेंसन के, वृद्धावस्था मे पेंसन के, ऑफिस मेs सेक्शन के, बहुत महत्व अछि .....



आदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs पट्टीटोल के, बहुत महत्व अछि .....



घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....



रांची मेs मेन्टल के, डॉक्टर मेs डेन्टल के, आदमी मेs जेन्टल के, बहुत महत्व अछि ....



सहर मेs नाली के, झगरा मेs गाली के, ससुराल मेs साली के, बहुत महत्व अछि ...



जार मेs हिट के, गाड़ी मेs सिट के, भोजन मेs मिट के, बहुत महत्व अछि ....



साड़ी मेs कोटा के, पानि पिबय मेs लोटा के, स्कूल मेs सोटा के, बहुत महत्व अछि ....



नाचैय मेs मोर के, बेलमोहन मेs चोर के, समय मेs भोर के, बहुत महत्व अछि ....



भोजन मेs दाँत के, गहूम पिसय मेs जाँत के, पूजा-पाठ मेs भोले नाथ के, बहुत महत्व अछि...



अनाज राखै मेs कोठी के, माछ मेs पोठी के, पेटख़राब मेs गोटी के, बहुत महत्व अछि ....



प्रेमिका मेs राधा के, नारी मेs सीता के, सभ ग्रन्थ मेs गीता के, बहुत महत्व अछि .....



नदी मेs गंगा के, स्वर्ग मेs रम्भा के, हिरोईन मेs प्रियंका के, बहुत महत्व अछि .....



दही मेs लेषन के, पंच्चर मेs सुलेषन के, लड्डू मेs बेषन के, बहुत महत्व अछि .....



सड़क पर धुल के, झंझारपुर मेs पुल के, बगान मेs फूल के, बहुत महत्व अछि .....



पाँव मेs जूता के, गेट पर कुत्ता के, भाषण मेs नेता के, बहुत महत्व अछि .....



गाँव मेs हाट के, चौपाल मेs खाट के, सफाई मेs धोबी घाट के, बहुत महत्व अछि ....



नॉएडा मेs सेक्टर के, फिल्म मेs एक्टर के, गाँव मेs टेक्टर के, बहुत महत्व अछि ....



ब्लोक मेs अमिन के, किरकेटर मेs सचिन के, विश्व मेs सुन्दर हसीन के, बहुत महत्व अछि ....



व्यापार मेs मंदी के, जेबर मेs चांदी के, भारत मेs महात्मा गाँधी के, बहुत महत्व अछि .....



सुइया दै मेs सिरिंच के, बच्चा मेs प्रिन्स के, पेंट मेs जिन्स के, बहुत महत्व अछि .....



सेंसेक्स मेs रेटिंग के, मिथिला मेs पेंटिंग के, फिल्म मेs एक्टिंग के, बहुत महत्व अछि ....



घर मेs सरभेंट के, महिला मेs प्रगनेन्ट के, दिल्ली मेs गर्लफ्रेंड के, बहुत महत्व अछि .....



रसोई मेs चावल के, बिल्डिंग मेs मारवल के, दरबारी मेs बीरबल के, बहुत महत्व अछि....



बन्दूक मेs गोली के, पूजा मेs रोली के, कमिटी मेs बोली के, बहुत महत्व अछि .....



गाछ मेs नीम के, संगीत मेs नादिम के, कसाई मेs जालिम के, बहुत महत्व अछि .....



मुम्बई मेs सेठ के, दिल्ली मेs इंडिया गेट के, शरीर मेs पेट के, बहुत महत्व अछि .....



फौजी मेs बर्दी के, सिलाई मेs दर्जी के, हस्ताक्षर मेs फर्जी के, बहुत महत्व अछि ......



पितरपक्ष मेs तर्पण के,मूह देखै मेs दर्पण के,जीवन मेs आत्मसमर्पण के बहुत महत्व अछि....



दीवाली मेs गिप्ट के, नौकरी मेs सिप्ट के, बिल्डिंग मेs लिप्ट के, बहुत महत्व अछि .....



बारीष मेs बरसाती के, पूजा मेs आरती के, विवाह मेs बरयाती के, बहुत महत्व अछि .....



केश मेs सेम्पू के, सर्कश मेs तम्बू के, अमिताभ बच्चनक लम्बू मेs बहुत महत्व अछि ....



कथा मेs समाप्त के, सामान मेs पर्याप्त के, बहुत महत्व अछि ..........





जय मैथिली, जय मिथिला

मदन कुमार ठाकुर,
कोठिया पट्टीटोल,
झंझारपुर (मधुबनी) बिहार - ८४७४०४,

मोबाईल +919312460150 , ईमेल - madanjagdamba@rediffmail.com

रेडीमेट क जमाना

(रेडिमेडक मतलब जे काम चलाऊ, कमसँ कम समय मे, कमसँ कम खर्चा मे, आ कमसँ कम मेहनत मे, निकसँ निक समान, निकसँ निक व्यवस्था आ निकसँ निक मनोरंजन होइत अछि ! रेडिमेड सभ तरहे सभ लोककें अपना तरफ आकर्षित करैत अछि ! जकर किछ उदहारण हम    पाठक गन के बिच प्रस्तुत करे चाहय छी ) ....



(१) हमर विवाह छल पंडितजी के देखलियैन डेढ़ घंटाक अन्दर मs ओ विवाह दान सब करा' देलथि ! हम पंडितजी सँ कहलियनि पंडितजी हम छंदोगी ब्रह्मण छी, हमरा सभक विवाह कमसँ कम छः सात घंटा मेs समाप्त होइत छैक ! मुदा अहां दुई घंटाक भीतर सब किछ कोनाक करबा देलियइ ? पंडितजी बजलाह .... सुनु जमाय बाबु " आब अहां के नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " तहि द्वारे झट मंगनी पट विवाह होइत छैक !


(२) हमर काकाक एगो बेटा लंदन मे रहैत छल ! पढाई लिखाई मे बहुत होनहार छल ! ओकरा पर सभके विस्वास छल जे एक दिन ई खान्दानक नाम रोशन जरुर करत ! दुई सालक बाद ओ गाम आयल आ संग मे ऐगो फोर्नर लड़की के सेहो लs कs आबी गेल छल ! तेँ ओकरा बाबु पुछलखिन्ह जे रौ बोउवा तू विवाह हमरा बिना कहने आ पंडितजी के बिना दिन तकेनै कोनाक कs लेला ? बोउवा बजल ... "बाबु आहां के आब ई नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " बाबु हमर विवाह नै भेल हन ई हमर गर्लफ्रेंड छी !



 (३) हम दिल्ली नए - नए आयल छलहुँ ! हम आर हमर भैया एगो विवाह मे सामिल भेल छलहुँ ! विवाह मे देखलहुँ सभकियो नाचैत छल ! आ सब कियो ठारे - ठार भोजन करैत छल ! हम भैयासँ पूछलहुँ भैया अहिठाम ई की भs रहल छैक ? भैया कहलक ... रे बुरबक " आब तोरा ई नै बुझल छो जे रेदिमेडक जमाना छैक " आब लोकक पास ओतेक समय नै छैक जे ओ बैस के भोजन आ चारि घंटा बैस के प्रोग्राम देखता !


(४) साउथ अफ्रीका मे क्रिकेट मैच चलैत छल ! धोनीक टिम मैच खेलैत छल ! तहिसँ सभ टी.वी. समाचार चेनल पर धुवा - धार जय - जय कार होइत छल ! कियेकी २० - २० क्रिकेट मेच इंडिया जीत गेल छल ! हम अपन काका से पुछलियनि काका पहिने ५० - ५० ओभरक क्रिकेट मेच होइत छल ! आब २० - २० ओभरक खेल किये होइत अछि ? काका बजलाह ... बोउवा " आब अहाँ के ई नै बुझल अछि जे आब रेडिमेडक जमाना छैक " लोगक पास आब ओतेक समय नै छैक जे ओ बैस केs पूरा ५० ओभर के खेलक आनंद लेता !

(५) एगो हमर साथी छलथि हुनकर विवाह के मात्र पाँचे महिना भेल छलनि ! ताहिक उपरांत हुनकर घरवाली के एगो बच्चा जनमलनि ! ओही बातसँ आस - पासक जतेक पड़ोसी छलनि सभ केs लगलनि ई कोना केs भs गेल यो एखन त विवाह के मात्र पाँचे महिना भेल हएँ ! हमर साथी बजला ... " आब अपने सभ के ई नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " जे जन्मल धिया पुता आ बसायल घर सब के मिलैत छैक !

(६) एक दिनक बात अछि ... बाबा आर हम दुनु आदमी दिल्ली गेलो ! लालकिला आ कुतुबमीनार देखैक लेल ! आबैत काल मे बाबा के लघुसंका लागी गेलनि ! बाबा हमरा कहलथि जे कनी पानिक व्यवस्था कs दिअ जे हम लघुसंका करब ! हम एगो दूकान से १० रुपैया मे पानिक बोतल लेलहुँ आ बाबा के रोडक साइड मे जगह देखा देलियनि ! बाबा पानि लs केs रोड के साइड मे बैस के लघुसंका करैय लागला ! ताबे मे किम्हरो से ऐगो सफाई करैय बला जमेदार आबिगेल आ बाबासँ कहलकनि ... आपको " अब मालूम नहीं हैं जो अब रेडिमेड का जमाना हैं " जो आप रोड को गन्दा करते हो ! इसके लिए सरकार ने रेडिमेड सुलभ सौचालय का व्यवस्था किया हैं !


(७) इलहाबादक एगो हमर पड़ोसी शर्माजी छलथि ! हुनका एगो २५ वर्षक लड़की छलनि जे डिग्री प्राप्त कs केs घर मे बैसल छलथि ! मुदा शर्माजी के अपन काज धंधा सँ फुरसते नै भेटैत छलनि जे ओ अपन बेटी मुन्नी के लेल वर तकता ! ओ बार बार हमरा परेसान करैत रहैत छलाह जे मदनजी कतौ हमरा मुन्नीक लेल योग्य लड़का देखियो ...... हम कहलियनि .... अपने केs " आब ई नै बुझल अछि जे आब रेडिमेडक जमाना छैक " आब इन्टरनेट के 'Shadi.com' पर वर आ कनियाँ रेडिमेड भेटैत छैक ! मुन्नी से कहबई जे अपन योग्य लड़का ताकि लेट !


(८) एकटा हमर डॉक्टर काका छलथि ! हुनका दिल्लीमे घर आँगन नै छलैन तहि सs ओ अपन परिवारक लेल काफी परेसान रहैत छलैथ ! एक दिन ओ हमरा कहलैथ जे मदनजी हमरा कतौ जमीं खरीद दिअ जे हम दू सालमे अपन घर आँगन बनबा लेब कियेकी आब हमहूँ वृद्ध अवस्थामे आयल जायत छी ..... हम कहलियनि .... काका जी अहाँ के " आब ई नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " कतेक आदमी के रेडिमेड घर आँगन रियल स्टेट कम्पनी द्वारा मिलैत छैक !




(९) हम टी.वी. पर आजतक समाचारक चेनक देखैत छलहुँ ! विषय छल मंत्री परिषद् मे चिंता .... कांग्रेस के पूर्ण रूपसँ बहुमत प्राप्त भs गेल छल ! मुदा विरोधी दल बी.जे.पी. ओही के समर्थन नै करैत छल ! कहैत छल जे विदेशी नेता सोनिया गाँधी हमर मंत्री आ हमर सरकार नै बनि सकैत अछि ! ओही सम्मेलन मे श्री लालू प्रसाद यादव सेहो बैसल छलथि ! लालू जी अंत मे बजलाह ... " आपलोगों को मालूम नहीं हैं की अब रेडिमेड का जमाना हैं " बहुमत किसी को भी मिले मंत्री कोई भी बन सकता हैं ! जैसे मैं जब चारा घोटाला के केस में जेल जाने वाला था तो अपनी पत्नी को मुखमंत्री का कुर्शी पर बैठा कर जेल गया था !





(१०) किछ दिन पहिनेक बात अछि ! हम गामे मs रही हमर काका अपन बेटिक कन्यादान ठीक केलथि ! मुदा वर पक्ष बला कहलकनि जे सरकार हमरा दहेजक पाई काल्हि साँझ तक चाही तखने हम विवाह करब ! नै तेँ दोसर गाम के घटक तैयार छथि ! ई बात शनिक साँझ के छी ! सब कियो परेसान भोs गेला कारण की काल्हि रवि छले आ रवि के बैंक बंद रहैत अछि, साँझ तक एक लाख रुपैया के कोना व्यवस्था हेत ! दोसर दिन काका गाम मे दुई चारी आदमी के पुछल्खिन सभ कियो कहलकनि जे हम सोम दिन बैंक सs पाई आनी के देब ! मुदा वर पक्षक शर्त रवि दिनक साँझ तक छलनि ! अंत मे हम कहलियनि.... " अहां सभ के ई नै बुझल अछि जे आब रेडिमेडक जमाना छैक " आब पाई मशीन सs निकलैत अछि ! तखने हम दू आदमी झंझार पूर ATM मशीन पर गेलहुँ आ चारि टा कार्ड के एक लाख रुपैया निकाली के आबि गेलहुँ सब गाम मे देखते रही गेल ....



                                                madan  kumar thakur


                                     जय मैथिली, जय मिथिला,




सोमवार, 1 फ़रवरी 2010

माघ मासक पाबनि-तिहार

  • 2 फरवरी- अंगारकी संकष्टी गणेश चौठ
  • 3 फरवरी-औंकार पंचमी
  • 4 फरवरी-श्रीमहाकालेश्वर नवरात्र प्रारंभ(उज्जैन)
  • 5 फरवरी-चेहल्लुम
  • 6 फरवरी-जानकी जयंती/सीताष्टमी व्रत,अष्टका श्राद्ध आ कालाष्टमी
  • 7 फरवरी-अन्वष्टका श्राद्ध आ गुरुदास जयंती
  • 9 फरवरी-विजया एकादशी
  • 10 फरवरी-गोविन्द द्वादशी
  • 11 फरवरी-प्रदोष व्रत आ त्रयोदशी
  • 12 फरवरी-महाशिवराति आ हरिद्वार महाकुंभ में प्रथम शाही स्नान। कुंभ संक्रांति रात्रि 1.38 बजे,पुण्यकाल अगिला दिन।
  • 13 फरवरी-स्नान-दान-श्राद्ध अमावस्या,शनैश्चरी अमावस,पीपल-पूजन,छाया-दान
  • 14 फरवरी-स्नान-दान की फागुन अमावस्या
  • 15 फरवरी-पुत्र प्राप्ति हेतु 12 दिनक पयोव्रत प्रारंभ
  • 18 फरवरी-गणेश चतुर्थी । वसंत ऋतु प्रारंभ।
  • 21 फरवरी-भानु-सप्तमी पर्व सायं 6.26 तक(सूर्यग्रहणतुल्य),कामदा सप्तमी व्रत,कल्याण सप्तमी व्रत। होलाष्टक प्रारंभ।
  • 22 फरवरी-श्रीदुर्गाष्टमी व्रत। श्रीअन्नपूर्णाष्टमी व्रत।
  • 23 फरवरी-आनन्द नवमी।
  • 25 फरवरी-जनकपुर-मिथिला में अंतर्गृहीय परिक्रमा प्रारंभ। आमलकी(आंवला)एकादशी व्रत।
  • 26 फरवरी-प्रदोष व्रत। पयोव्रत पूर्ण। गोविन्द द्वादशी।
  • 27 फरवरी-चौमासी आ ईद
  • 28 फरवरी-सिंदूरार्पण-पातरिदान। होली। स्नान-दान व्रत केर फाल्गुनी पूर्णिमा। होलिका दहन रात्रि 10.07 बजे तक शुभ। होलाष्टक समाप्त। सत्यनारायण पूजा-कथा। जनकपुर-परिक्रमा पूर्ण।
www.maithilionline.blogspot.com