(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

कनी हसिय लिय लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
कनी हसिय लिय लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

बुधवार, 3 नवंबर 2010

गलचोटका बर


( एकटा हास्य कविता)

देखू-देखू हे दाए-माए
केहेन सुनर छथि गलचोटका बर।
तिलकक रूपैया छनि जे बॉंकि
सासुर मे खाए नहि रहल छथि एक्को कर।

अनेरे अपसियॉंत रहैत छथि
अल्लूक तरूआ छनि हुनका गारा में अटकल।
खाइत छथि एक सेर तीन पसेरी
मुदा देह सुखाएल छनि सनठी जॅंका छथि सटकल।

केने छथि पत्रकारिताक लिखाई-पढ़ाई
दहेजक मोह मे छथि भटकल।
ऑंखि पर लागल छनि बड़का-बड़का चश्मा
मुहॅं कान निक तऽ चैन छनि आधा उरल।

ओ पढ़हल छथि तऽ खूम बड़ाई करू ने
मुदा हमरा पढ़नाईक कोनो मोजर ने।
बाबू जी के कतेक कहलियैन जे हमरो पसीन देखू
मुदा डॉक्टर इंजीनियर जमाए करबाक मोह हुनका छूटल ने।

जेना डॉक्टर इंजीनियरे टा मनुख होइत छथि
लेखक समाजसेवीक एको पाई मोजर ने।
सोच-सोच के फर्क अछि मुदा केकरा समझाउ
दूल्हाक बज़ार अछि सजल खूम रूपैया लूटाउ ने।

एहि बज़ार में अपसियंॉत छथि लड़की के बाप
इंजीनियर जमाए कए छोड़ैत छथि अपन सामाजिक छाप।
एहि लेल तऽ अपसियॉंत छथि एतबाक तऽ ओ करताह
बेटीक निक जिनगी लेल ओ किछू नहि सोचताह।

अहॉं बेटी केॅ निक जॅंका राखब दहेज लैत काल
हमरा बाबू के ओ तऽ बड़का सपना देखौलनि।
ई तऽ बाद मे बूझना गेल जे किछूएक दिनक बाद
दहेजक रूपैया सॅं ओ पानक दोकान खोललैनि।

नहि यौ बाबू हम नहि पसिन करब एहेन सुनर बर
एतबाक सोचिए के हमरा लगैत अछि डर।
भले रहि जाएब हम कुमारी मुदा
कहियो ने पसिन करब, एहेन दहेज लोभी गलचोटका बर।

लेखक:- किशन कारीग़र
(परिचय:- जन्म- 1983ई0(कलकता में) मूल नाम-कृष्ण कुमार राय‘किशन’। पिताक नाम- श्री सीतानन्द राय ‘नन्दू’ माताक नाम-श्रीमती अनुपमा देबी।मूल निवासी- ग्राम-मंगरौना भाया-अंधराठाढ़ी, जिला-मधुबनी (बिहार)। हिंदी में किशन नादान आओर मैथिली में किशन कारीग़र के नाम सॅं लिखैत छी। हिंदी आ मैथिली में लिखल नाटक आकाशवाणी सॅं प्रसारित एवं दर्जनों लघु कथा कविता राजनीतिक लेख प्रकाशित भेल अछि। वर्तमान में आकशवाणी दिल्ली में संवाददाता सह समाचार वाचक पद पर कार्यरत छी। शिक्षाः- एम. फिल(पत्रकारिता) एवं बी. एड कुरूक्षेत्र विश्वविद्यालय कुरूक्षेत्र सॅं। )

सोमवार, 26 जुलाई 2010

नबकी पुतहु


लेखक - मुकेश मिश्रा

9990379449



नबकी पुतहु




मुकेश - चाची गोर लगै छि
चाची - बौवा नीके रहू
मुकेश - चाची हम अपन गाम घर स एलव ह , नबकी पुतहु के बारे में किछ पूछ चाहैत छि
चाची - अबिते देरी घोघ हटेली, बिनु पुछनही सब सासन चलेली
घर दुवारी केर चाभी लेली , अपना बस में केलि हबेली
सुनैत छलहु छानी नाम चमेली,देखन्ही बुझलहु छाथी अलबेली
मुकेश - गोर लगै छि भौजी ...
भौजी - मुकेश जी ,आव बैसू
मुकेश - भौजी हम अपन गाम घर स एलव ह
आहा सासु के बारे में किछ पूछ चाहैत छि
भौजी - की कहु छै फूलल गाल,आखी जेना फरचोका लाल
ऊजर धप -धप थिठुरल बाल,लगै जेना छै सोझे काल
कहियो क लगबै छै ताल,छै बर छोट मुदा बर मोट
मोन में हरदम भरने खोट,तामशे ठार रही छै झोट
आचर में किछ बनने नोट,बीरी के मारे छै सोट
पानक संग में जर्दा चाही,बस हमरे टा ले पर्दा चाही
मुकेश - चाची बदलल कनिया
चाची - आब हमर की बदलत दुनिया, बिदाय में अनलक ह हरमुनिया
गामक छौरा-छौरी आबय ,घर में ढोलक झाली बजाबय
घर बनल अछि नाचक मंच ,इ पंचायत करत के पंच
बौआ सेहो ओकरही भेला,कनिया गुरु ओं बनला चेला
ह ह बाजाथी जहिना यंत्र ,जतबे कनिया दै छनी मन्त्र
बौआक बाबुओं ओकरही दिश ,हमरा लेल बस एक जगदीश
मुकेश -की भौजी बदलल सासु ...
भौजी - हमरा लेल छल सोलहो सोन,अपन साफ रखैत छि मोन
काजक पाछु लागल रहलव,बेसी किछी ककरहु नही कहलव
जीबन छोट अछि काज बहुत,हम सब छि भगबानक दूत
इ संसार हमर आछी घर ,सब स बेसी मानथी बर


ससुर हमर छथी जतबे निक,सासु करेला ततबे तित
भब सागर में मुकेशक साथ ,करताह पार भैरब नाथ
गीतकार - मुकेश मिश्रा
9990379449
email- mukesh.mishra@rediffmail.com




शनिवार, 10 जुलाई 2010

मस्ती




लेखक - मुकेश मिश्रा

मस्ती

मुंबैय बसु या दिल्ली ,चाहे कलकत्ता अशाम,
मैथिल ललना छि आहा,रहू देश क कोनो ठाम
अहि मंच स सब स्रोत क मुकेश मिश्रा क प्रणाम !





माछ जरूरी पान जरूरी ,दुभी अछत आ धान जरूरी !
मौध मखान त अछि निशिचते ,मों में किछ किछ शान जरूरी !
घर में कुकुर दाली पिबैय अछि ,मुदा दसहू हाथक दलन जरूरी !
कंटीरबा हो या कंटीरबी ,दर्जन भरी सन्तान जरूरी !
पढ़ब-लिखब चूल्हा में चली गेल , बौआ के बरदान जरूरी !!

बरसों स जकर इंतजार य,ओं सुंदर साम आबी जय
हमर जिनगी हमर दोस्त क कम आबी जय
हमरा त बस एतबा इक्छा आय यौ,
की मुकेश मिश्रा क नाम सेहो मिथिला के
स्रोता क जुबान पर आबी जय !

आबैत रही त रस्ता में एगो लरका -एगो लरकी के
छेरैत रहै,त लरकी कहलक.........
नै छेर लरकी के पाप लग्तौ,काएल तोरो कउनु लरकी
बाप कहतौ, .....त ह्सैत लरका कहलक .......
भगबान करौ तोहर कहनाय सच्चा हव
हमरा जे बाप कहै वो तोरे बच्चा हव !

हे कृष्ण तू एक बेर अय कलयुग में आबी क त देख,
चौद्हे बर्ष में मामा कंश के मरला,एक बेर लादेन क
मारि क त देख,
भैर सभा में द्रोपती क चिरक लाज रखला ,
दू मीटर कपरा मलिका शेराब्त क पहिरा क त देख ,
सुनै छियब गौखुल्क गोपी संग बर नचला,...
एक बेर हमरा कॉलेज के एगो लरकी के पटा के त देख!

दिल स दिल बर मुस्किल स मिलै य,
तूफान में सियाही बर मंजिल स भेटै य,
ओना त मिलै य कतेक गुलाबी गाल,
मुदा गुलाबी गाल पर करिया तिल
बर मुस्किल स मिलै य !



हसीन तू छ, त खराप हमहू नै
कोठा में तू छ,त झोपरी में हमहू नै
बच्चा जनमा क कहै छ बियाहल छि
कान खोली के सुनिले,दू बच्चा के बाप हमहू छि


जखन मोन करा हमरा देखै क,छत पर ठार भ
डूबैत सूरज के देख लेब , हमरा अपन मोनक
हिस्सा बना लेब , तहु स ज नै हुआ त कैस
क अपन छति स लगा लेब !


e- mail- mukesh.mishra@rediffmail.com
A-16,Sec-62,Noida,
Con- 9990379449

शुक्रवार, 2 जुलाई 2010

हमर मदन मामा

लेखक - मुकेश मिश्रा


हमर मदन मामा


हमर मदन मामा क ऽ के नै जनैत य ऽ ,
हमर मदन मामा कऽ के नै चर्चा करैत यऽ ,
मुदा हे हमरा पर मामा कऽ किछ बिसेष धियान
रहैत छैन,
अहिना घुमैत -घुमैत एक दिन मामा आंगन गोलव ,
मुकेश - मामा गोर लगै छि
मामा - नीके रह बौवाऽ ,आबह बैसहऽ
मुकेश - मामा मामी ठीक छाइथ की ने
(तात मामी घर सऽ निकलैत )
मामी - मुकेश बौवा ....
मुकेश -मामी गोर लगै छि
मामी - भगबान नीके राखेत
मामी- (मामा कऽ ) -यौ सुनै छिये,जव ने दादा पोखैर सऽ
माछ मारी क ऽ नेने आव ने, कतेक दिन पर आय
मुकेश बौवा एलात ह ,
मामा - हऽ जय छि
मामा बिदा तऽ भेला मुदा मामा कऽ माछ पकरल तऽ
अबै नै छान,
दादा पोखैर लग जहन गोलात तऽ देखलात की दू गोरे
आपस में मारी कऽ रहल छल ,
मामा - रे की भेलौ, कथी ले मारी करै छऽ
एक गोरे - यौ मदन बाबु कनी अहि पंचैती कऽ दिय ने
मामा - कथी के पंचैती रे ,कनी फरिया कऽ बज नऽ
दोसर गोरे - मदन बाबु हम दुनु गोरे मिल कऽ माछ
पकरलव , इ कहै यऽ पूरा हम लेबौ ,हम कत जेबै यो ,
एक गोरे - तू दोसर दिन लिह ,आय हमर कनिया
भोरे सऽ मसला पिसने छै,
दोसर गोरे - आरोंव तोरी के ,जेना हिनके टाऽ कनिया
छान , आ हमरा कनिया ले तऽ परोसी माछ अनतै ,
एक गोरे - तोहर कनिया , रे कायलो देखलियो तोहर
कनिया के,इनार पर बैस कऽ नहात, पूरा पिठिया
ओहिना छ्लव देखात,
दोसर गोरे - सार तू हमरा गायर दमा
(दुनु में मारी हूव लागल , मामा देखलात आब तऽ
बरिया मौका यऽ )
मामा - हवऽ जै माछ ले तू सब लराई करै छऽ ओय
माछ कऽ निमोनिया छै , जऽ खेलऽ तऽ गेलऽ
एक गोरे - सही में यौ
मामा - देखै नै छहकऽ , केना सास लै छै ,फेकऽ एकराऽ
(मामा माछऽ लऽ कऽ जंगल में फेक देलखिन ,आ ओत सऽ
खिसैक गेलात, ओहो दुनु गोरे एक दोसरक मुह तकैत
चली गेल )
ओकरा सब कऽ गेला कऽ बाद मामा आबी क माछ उठेला
आ अपन घर एलात , मामी कऽ माछऽ दऽ , हमरा
खिस्सा कहलाइत ....मुदा माछक तिमन बरऽ रसगर छल
एखनो धरी मोन परौत यऽ ,अहू सब कऽ जऽ कनियो
मौका भेट जा , तऽ एक बेर हमर मामा क ऽ माछऽ
खायले जरुर आयब .............
गीतकार - मुकेश मिश्रा
9990379449

मंगलवार, 29 जून 2010

बंगाली बाबा

लेखक - मुकेश मिश्रा

बंगाली बाबा

हमर गामक बंगाली बाबा कऽ के नै जनैत यऽ
बंगाली बाबा अपन आधा ज्निगी पढ़ाइये
में बितौला , परबा -लिखबा के उपरान्तो,
हिनका में ओं स्वभाब नै छल जे बिचार
एगो बिद्वता में हैत यऽ ,सब कऽ हिन् भाबना
सऽ देखैत छलखिन ,और अपन बिद्वांक प्रसंसा
करैत रहै छला ,धोखो सऽ जऽ कियो पढ़ल-लिखल
सजनऽ हुनका आगा परि गेलैन ,तऽ फेर जामैत
दस बीसटा लोक नै आबी जय ता धरी वो अपन
ब्याकरण कऽ तानड्ब सऽ सब कऽ ह्कोचित कऽ के
छोरैत छला ,
एक दिन कोट कऽ किछ काज सऽ, झंझारपुर बिदा भेला ,
कमला बलान पर जा कऽ नाव में बैसला ,...
किछ देर आगा गेलात,की अपन अहंकार भरल
मुह सऽ नाव बला कऽ पुछला ....
बंगाली - हवऽ तोरा ब्याकरण अबै छऽ
नाव बला - नै मालिक हमरा नै आबै यऽ
बंगाली - धू -धू तोहर सब कऽ याह लीला छव
(नाव बला चुपचाप सबटा सुनैत छल , मेघ में
बादल से लागल जायत छल,)
बंगाली -हवऽ भूगोल -नागरिक अबै छऽ
नाव बला - नै मालिक
बंगाली - तहन तऽ तोहर पूरा ज्निगी बेकार छव
(नाव बला सबऽ किछ चुपचाप सुनैत छल, अचानक
हबा कऽ तेज सऽ नाव बिच भवर में फैस गेल ,)
नाव बला - मालिक हेलल अबै यऽ
बंगाली - हमरा हेलल नै अबै यऽ
नाव बला - तहन तऽ अपन ब्याकरण,भूगोल ,नागरिक
कऽ मदत के लेल बजा लिय , कियाकि नाव भवर में फैस
गेल , किछ देर में डूबी जायत ,
(एतेक कहि कऽ नाव बला नाव सऽ कुदी गेल ,बंगाली बाबा
मुह तकिते रही गेलएत,)
तहन बंगाली बाबा कऽ समझ में एलन जे आदमी कऽ एगो
बिद्या में निपुण रहला सऽ किछ नै हैय छै, बिद्या कऽ संग -
संग किछ औरो गियान रहनाय अति आबस्यक छैय,
गीतकार - मुकेश मिश्रा
9990379449


सोमवार, 28 जून 2010

मास्टर जी



लेखक - मुकेश मिश्रा




मास्टर जी


हमरा गाम में एगो मास्टर जी छला,
दूर-दूर गाम तकऽ प्रसिद्ध छला ,
गपऽ हकबा मऽ माहिर ,ककरो किछ कही
कऽ हुथी दैत छला ,

एक दिन टहलैत मदन जी कतौ जय छला ,
अचानक सामने मास्टर जी आबी गेलिखिन!
मदन जी - गोर लगै छि मास्टर जी
मास्टर- नीके रहू , कत रहै छि आय कायल
मदन जी- नोएडा में सेक्टर -44 सदरपुर छलेरा
में रहैत छि
मास्टर- की करैत छ
मदन जी- आग्रबाल अतुल लग ऽ सिये कऽ काज करै छि
मास्टर- हऽ .. अहि सऽ बेसी तू करबे की करबऽ

दोसर दिन अहिना गंगा खेत दिस जायत छला ,
सामने मास्टर जी के देखैत बजला ,
गंगा - गोर लगै छि मास्टर जी
मास्टर - नीके रहऽ ,कतऽ रहै छ
गंगा - दिल्ली में रहै छि
मास्टर - हवऽ कीछ कैरतो छ
गंगा - सेक्टर 62 a -16, में माली के काज करै छिऽ
मास्टर -हऽ .. तऽ अय सऽ बेसी तू करबे की करबऽ

अहिना एक दिन हमरो भेटला .......
मुकेश - गोर लगै छि मास्टर जी
मास्टर - नीके रहऽ की करै छ आय -कायल
मुकेश - गीत नाद लिखैत छि ,सब स्रोता कऽ
मनोरंजन करबैत छिऽ
मास्टर - ह.. त अय स बेसी तू करबे की करबऽ

अहिना समाय बितैत गेल ,किछ समाय उपरांत
बाद मास्टर जी क कनिया क देहांत भ गेलाइन
हम किछ काज बस उम्हर स गुजरैत छ्लव
मास्टर जी क देखलव ,किछ परेसान आगू बरी
पुछलव -मास्टर जी एतेक परेसान किया छि
मास्टर जी - की कहू मुकेश जी जहिया स असगर
भेलव तहिया स बर परेसान छि ,कतव जोगार देखियो
ने ,कतेक दिन असगर जीबन बितायब ,

(हमरा तऽ बुझु एगो मौका भेटल ,मास्टर जी कऽ बात मोन परलऽ )
हम झट सऽ ठार भलव ,मुस्कैत बजलव ,......
हऽ ....तऽ अय सऽ बैसी आहा कैये की सकैत छि
गीटाकार- मुकेश मिश्रा
9990379449
email – mukesh.mishra@rediffmail.com


मंगलवार, 22 जून 2010

बुधन पंडित जी


लेखक - मुकेश मिश्रा


बुधन पंडित जी

हमरा गाम में एगो बुधन पंडित जी छला,
बर तमशाह,कुनु धिया -पुता ज कखनो
कीछ कही देलखान,त फेर जुनी पुछु
मुदा तमशाह रहितो ..........
बर नामि छला, सत्यनारायन पूजा, बीभाह,
मुंडन,उपनयन,सब प्रयोजन में हिनका बजयल जात छ्ल, अहि प्रकारे दूर गाम से न्योता ऐलान, जे हमरा बचीयाक
बीभाह थीक से अपने एतिये,
पंडित जी तौयार भेला,और अपना गामक हजमा के सेहो संग ल लेला
दुनु गोटे से पहुचला ओही ठाम,........
धूम-धाम स बिबाहक तैयारी भ रहल छल,
दूर गाम से एला स पंडित जी थाकी गेल छला ,
आराम खातिर कीछ देर दलान पर चली गेला
गामक अगति छोरा जेना,मदन जी, चन्दन जी,
और अपन गाम घर स जुरल चारी पाच गो
अबिबाहित नबयुबक सब पंडित जी लग पहुचल
ओय में से एक जन अपन हाथ आगा बर्बैत,बजला
पंडित जी हमर बिबाह कहिया हेते
अगिला साल भ जेतो जो
ओ हाथ हटलैन की दोसर हाथ पहुचल
पंडित जी हमर बिबाह कहिया हेते
अगिला साल भ जेतो जो
ओ हाथ हटलैन की तेसर हाथ पहुचल
पंडित जी हमर बिबाह कहिया हेते
तोहर अहि साल भ जेतो जो
अहिना एगो हाथ हटें की दोसर,फेर तेसर ,
पंडित जी तबाह भ गेला
तामस आब लगलान,माथ घुरिया लगलेन,
मुदा तामस क बर्दास्त करेत बजलाह
आन गाम आयल छि ,एत कोना ऊट पतांग करब
अहि प्रकारे तामस क बर्दास्त करेत,छोरा सब क
अगिला साल पछिला साल कहैत बिभाहक समाय
दैत जाथिन,अहिना हैत हैत एगो लम्बा चोरा हाथ
पंडित जी के सामने एलैन, पंडित जी जाही ,हाथ पकरला
देखला एगो जनाना कम स कम एक कुंटल बीस किलो क
जनाना हाथ बर्बैत बजली ,पंडित जी हमर बीभाह
कहिया हेते.. पंडित जी क तामस बर्दास्त नै भेलैन ,
पंडित जी झट स उठला आ पट स जनाना क पटैक
छाती पर बैस गेला आर बजला ...............
अय छोरा सब के बिबाह अगिला पिछला साल त
भयै जेतै,मुदा हे मौगी तोहर बिबाह एखने हेतौ
एखने हेतौ तोहर बिबाह , एखने हेतौ तोहर बिबाह
गीतकार- मुकेश मिश्रा
9990379449

मंगलवार, 15 जून 2010

मक्ष्छर चलिसा



दोहा

अति आबस्यक जानी के होके अति लचार ,
बरनो मच्छर सक्‍ल गुणों दुख दायक ब्यबहार ।
बिना मसहरि दिन हूँ सुनहू सकल नर्रनार ,
मक्ष्छर चलिसा लिखक पढ़उ सोइच बिचैर ।।

चोपाई

जय मच्छर भगवान उजागर ।
जय अनगिनित हे रोग के सागर ।।

नदियाँ पोखैर गंगा सागर ।
सबठाम रहते छी अही उजा गर ।।

नीम हकिम के अही रखबारे ।
डाक्टर के भेलो अतिश्य प्यारे ।।

मलेरिया के छी अहा दाता ।
छी खटमल के प्यारे भ्राता ।।

जरी बुट्टी से काज नऽ बनल ।
अंग्रेजी दबाइर् जलदी फीट करल ।।

आउल आउट गुडनाइर्ट अपनेलो ।
फेर अपन अहा जान बचेलो ।।

दिन दुखि सब धुप में जरैत छैथ ।
रैतो में बेचैन रहैत छैथ ।।

संझ – भोर अहा राग सुनाबी ।
गूं गूं के नाम कमाबी ।।

राजा छैथ या रंक फकिरा ।
सब के केलो अपनेही मत धिरा ।।

रूप कुरूप न अहा मानलो ।
छोटका - बऱका नै अहा जनलो ।।

नर छैथ या स्वर्गाक नारी ।
सब के समक्ष बनलो अहा भारी।।

भिन्न भिन्न जे रोग सुनेला ।
डाकटर कुमार फेर शर्मेला ।।

सब दफ्‍तर में आदर पेलो ।
बिना इजाजत के अहा घुस गेलो ।।

चाट परल जिन्गी से गेलो ।
कनैत खिजैत परिवार गमलो ।।

जय - जय हे मक्ष्छर भगवाना ।
माफ करू सबटा जुर्माना ।।

छी अहा नाथ साथ हम चेरा ।
जल्दी उजारारू अहा अपनेही डेरा ।।

दोहा



निश बंसर शंकर करण मालिन महा अति कुर |
अपन दल बल सहित बशु कहि जा दुर ||


मदन कुमार ठाकुर

पट्टीटोल (कोठिया), भैरव स्थान ,
झंझारपुर , मधुबनी , बिहार ,८४७४०४




मंगलवार, 8 जून 2010

बहुत गलत बात अछि



दूध में पैन के , दुश्मनी में आईंन के , गाम में डैन के ,
बहुत गलत बात अछि --------
बर्बाद करै में मुस के , नोकरी मे घुस के , बनिया में मखीचूस के ,
बहुत गलत बात अछि --------
भाई में बैमान के , कर्म में अभिमान के , मनुष्य में सैतान के ,
बहुत गलत बात अछि --------
नशा में दारू के , आदमी में भारू के , मिया - बीबी संग झारू के ,
बहुत गलत बात अछि --------
मेला में जेवर के , डैविटिज में मिठाई घेवर के , बदमाशी में देवर के ,
बहुत गलत बात अछि --------
पूजा -पाट बिना पीपल के ,श्रधकर्म बिना पीतल के , बरी -भात बिना जूरी शीतल के ,
बहुत - गलत बात अछि ---------------
नारी गर्दन बिना अठन्नी के, समान बेचनाय बिना पन्नी के , पेंटिंग बिना मधुबनी के ,
बहुत - गलत बात अछि ---------------
डिगरी बिना ईग्न्नु के , खिसा -पिहानी बिना गन्नू के , लेन - देन में भीख मग्न्नु के
बहुत - गलत बात अछि ---------------
आदमी में दुराचारी के , फल में मह्कारी के , इंडिया में बेरोजगारी के ,
बहुत गलत बात अछि --------
समाज में काम चोर के , आदमी में सुईद खोर के , लराई में लातखोर के ,
बहुत गलत बात अछि --------
ब्यबसय में मन मर्जी के , सिग्नेचर में फर्जी के , फोज में बिना बर्दी के ,
बहुत गलत बात अछि --------
बस में जेब कत्तर के , हर बात में अक्तर के , गंदगी में बत्तर के ,
बहुत गलत बात अछि --------
सरक पर भीख माँगा के , सहर में लफंगा के , शरीर में बिना अंगा के
बहुत गलत बात अछि --------
चलें में मटकैत के , जंगली एरिया में डकैत के , गाम में लठैत ,
बहुत गलत बात अछि --------
नशा में सिकरेट के , हर बात में डारेकट के , आदत में क्रिकेट के ,
बहुत गलत बात अछि --------
इंडिया में बिना टेक्स के , दफ्तर में बिना फेक्स के , फॉरनर में सेक्स के ,
बहुत गलत बात अछि --------
विराद्धा अबस्था में बिना लाठी के , चिता पर बिना काठी के , सीरियल में बिना मराठी के ,
बहुत गलत बात अछि -----
शरक पर क्च्चरा के , बारादरी में झगरा के , कागज - पत्तर में लफरा के ,
बहुत गलत बात अछि -----
गाम में बिना भोज के , मजदूरी में बिना रोज के , साइंस में बिना खोज के ,
बहुत गलत बात अछि -----
यात्रा बिना मंगल के , प्रोग्राम बिना दंगल के , व्रत में अंजल के ,
बहुत गलत बात अछि -----
विदियार्थी बिना मास्टर के , हॉस्पिटल बिना डाक्टर के , फिल्म बिना डारेक्टर के ,
बहुत गलत बात अछि -----
उग्रवादी बिना तालिवान के , कुस्ती बिना पहलवान के , अतिथि के बिना जलपान के,
बहुत गलत बात अछि -----
मनोरंजन बिना खेल के , बिजनेस बिना सेल के , कैदी बिना जेल के ,
बहुत गलत बात अछि -----
रेड लाइट बिना अक्सिडेंट के , हॉस्पिटल बिना पेशेंट के , दाँत बिना पेप्सोडेंट के ,
बहुत गलत बात अछि -----
जनौऊ संस्कार बिना बरुवा के , मैथिल भोजन करेनाय बिना तरुवा के , आराम केनाय बिना गेरुवा के ,
बहुत गलत बात अछि ---------
अध्ययन बिना कम्पूटर के , पंखा बिना रेगुलेटर के , नियूज बिना प्रेशरिपोटर के ,
बहुत गलत बात अछि ---------
भगवन पूजा बिना माला के , घर छोरी बिना ताला के , सासुर जेनाय बिना साला के ,
बहुत गलत बात अछि ---------
शहर में बिना लाइट के , लराई में बिना फाइट के , जींस पेंट बिना टाईट के ,
बहुत गलत बात अछि -----
नागरिकता बिना मतदान के , जिनगी बिना कन्यादान के , परोपकर बिना रक्तदान के ,
बहुत गलत बात अछि -----------
महाभारत में शोक्न्नी के , शहर में बिना पत्त्नी के , आ रचना में बिना टिप्पणी के ,
बहुत गलत बात अछि -----

मदन कुमार ठाकुर
पट्टीटोल ,
भैरव स्थान ,
झंझारपुर ,मधुबनी ,
बिहार - ८४७४०४
mo- 9312460150

मंगलवार, 20 अप्रैल 2010

की हमहूँ रहबै कुमार ?

यौ पाठक गण की कहू अपन मिथिला राज्य चौपट भ' गेल ( से कोना यौ ) एक त कमला कोशीक दहार आ दोसर दहेज़ प्रथाक व्यवहार ! कमला कोशी लेलक पेटक आहार त दहेज़ प्रथा केलक आर्थिक लाचार ! कन्यादान से कतेक पिता लोकनि सेहो भेला बीमार आ कतेको बर छथि ओही बाधा सँ सेहो कुमार आ बीमार ! ओही सभ बात के लs क' हम नब युबक संघक बाधा कs ल'क' पाठक गणक समक्ष अपन गाम घर पर हाजिर छी.......

की हमहूँ रहबै कुमार ?

जय गणेश मंगल गणेश, सदिखन रटलो मंत्र उचार !
सभ बाधाक हरय बाला, कते गेलो अहाँ छोड़ि संसार !!
अपना लेल अगल - बगल मे, हमरा लेल किए दूर व्यवहार !
आब कहू यो गणपति महाराज, की हमहूँ रहबै कुमार...? !!

बरख बीत गेल देखते देखते, जन्म कुंडली मे थर्टी ! (३०)
दहेजक आस मे हम नै बैसब, हमरो उम्र भो जेत सिक्सटी !! (६०)
गाम - गाम मे जे के बाजब, बाबू हमर छथि दुराचार !
आब कहू यो बाबू - काका, की हमहूँ रहबै कुमार... ?!!

ब्रह्म बाबा के सभ दिन गछ्लो, लगाबू अहि लगन मे बेरापार !
ओही खुशी मे अहाँ के देब, हम अपन गाय के दूधक धार !!
हे कुसेश्वर हे सिंघेश्वर, अहाँक महिमा अछि अपरम पार !
अहि लगन मे पार लगाबू, हम आनब दूध दही आ केराक भार !!
आब कहू यो भोले दानी, की हमहूँ रहबै कुमार ....?...

सौराठ सभा मे जे के बैसलों, सातों दिन आ सातो राति !
कियो नै पुछलक नाम आ गाम, की भेल अपनेक गोत्र मूल बिधान !!
घर मे आबी के खाट पकरलो, नै भेल आब हमर कुनू जोगार !
आब कहू यो बाबा - नाना, की हमहूँ रहबै कुमार --?!!

दौर - दौर जे पंडित पुर्हित, सभ दिन पूछी राय बिचार !
पंडित जी के मुहँ से फुटलैन ई बकार ..........
जेठ अषाढ़ त बितैते अछि, अघन से परैत अछि अतिचार !!
आब कहू यो पंडित पुर्हित, की हमहूँ रहबै कुमार ....?.

नै पढ़लो हम आइये - बीए, छी हमहूँ यो मिडिल पास !
डॉक्टर भइया - मास्टर भइया, ओहो काटलैथ एक दिन घास !!
ओही खान्दानक छी यो हमहूँ, जून करू आब हमर धिकार !
आब कहू यो बाबू - भैया, की हमहूँ रहबै कुमार ?!!

गोर - कारी सभ के सब दिन रखबै, लुल्ही - लंगरी से घर के सजेबई !
बौकी पगली के दरभंगा में देखेबाई, कन्ही कोतरी से करब जिन्दगी साकार !!
आब कहू यो संगी - साथी, की हमहूँ रहबै कुमार ..?........

अघन के लगन देख हम झूमी उठलो, जेना करैत अछि नाग फुफकार !
लगन बीत गेल माघ फागुन के, गुजैर रहल अछि जेठ अषाढ़ !!
अंतिम लगन ओहिना बितत, नैया डूबत हमरो बिच धार !
आब कहू यो मैथिल आर मिथिलाक पाठक गन,
की हमहू रहबै कुमार --?-!!

नब युवक के बातक रखलो मान, शादी.कॉम में लिखेलो अपन नाम !
नै कुनू भेटल कतो से मेल, लागैत अछि जे ईहो भेल फैल !!
कतेक दिन करब मेलक इंतजार........
आब कहू यो कम्पूटर महाराज, की हमहूँ रहबै कुमार --?!!

भोरे उठी गेलो खेत खलिहान, उम्हरे से केना एलो कमला स्नान
देखलो दुई चैर आदमी के, बात करैत छल कन्यादान !
पीड़ी छुई हम भगवती के, पहुँच गेलो हम अपन दालान !!
हाथ जोरी हम सबके, विनती केलो बारम् बार !
आब कहूँ यो घटक महाराज, की हमहूँ रहबै कुमार --?

मदन कुमार ठाकुर,
पट्टीटोला, कोठिया (भैरव स्थान )
झंझारपुर (मधुबनी)बिहार - ८४७४०४।
मो-९३१२४६०१५०

बुधवार, 7 अप्रैल 2010

रुपैया बीस (सुईद ब्याजक संग )

रुपैया बीस (सुईद ब्याजक संग )
ई चुटकुला मुसाय बाबाक सन्दर्भसँ लेल गेल अछि ! --

ओना तs बाबाक समाजक प्रति अनेको उपकार छन्हि ताहिमे एक - दोसराक प्रति परोपकार सेहो बही - खातामे लिखल गेल छनि ! मुसाय बाबाक १ अगस्त २००३ कs देहवासन भs गेलन्हि मुदा हुनकर कृति एखनो धरी समाजमे व्याप्त अछि ! बाबाकेँ धन - सम्पति अपार छलनि ताहिसँ समाजमे मान-मर्जादा बहुत निक भेटैत छलनि ! दस बीस कोससँ लोक सभ मुसाय बाबासँ सुईद (व्याज) पर पाई लैक लेल आबैत छल ! कतेको ठिकेदार कतेको महाजन सभ हुनक दालानपर बैसल रहैत छलनि !

एक बेर मुसहरबा भाइ सेहो अपन विवाहक लेल मुसाय बाबासँ बीस (२०)गो टका लेने छल ! मुसहरबा भाइ बाबाक खास नोकर छलाह तs ओकरा मुसाय बाबा कहलखिन हे मुसहरबा भाइ हम जे तोरा २०गो टका देलियो से हमरा कहिया देबह? मुसहरबा भाइ बाबासँ कहलकनि जे मालिक हम तँ बीस गो टका सुईद (व्याजक) साथ दऽ देने छी ! अहि बातपर दुनू आदमीकेँ आपसमे बहस चलय लगलनि, बहुत हद तक झगड़ा आगू बढ़ि गेल ! ताबे मे किम्हरोसँ कारी बाबु एलथि। कहलखिन- " यौ। अहाँ दुनू आदमीक आपसमे किएक झगड़ा भs रहल अछि "!मुसाय बाबा सभ बात कारी बाबुकेँ कहलखिन आर मुसहरबा भाइ सेहो सभ बात कारी बाबुकेँ सुनेलखिन्ह ! तखन कारी बाबु कहलखिन- " हे मुसहरबा भाइ । अहाँ हिनका कखन - कखन आर कोना पाइ देलियनि से हमरा कहू ........मुसहरबा भाइ बजलाह - "

सुनू कारी बाबु, आ मुसाय बाबू --- अहूँ ध्यान राखब हमर कतय गलती अछि ?
हमरा लग अपनेक टका छल बीस (२०)
आहाँ आँखी गुरारीकेँ तकलहुँ हमरा दिसएक टका तखने देलहुँ .........

टका बचल उनैस (१९)
अहाँ कहलहुँ अही ठाम बैसएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल अठारह (१८)
आहाँ लागलहुँ हमरा जोर सँ धखारहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल सतरह (१७)
आहाँ लागलहुँ हमरा जखन तखन तंग करहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल सोलह (१६)
आहाँ लागलहुँ हमर पोल खोलहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल पंद्रह (१५)
आहाँ लागलहुँ हमरा टांग गरैरकऽ पकरहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल चौदह (१४)
आहाँ लागलहुँ हमरा घर पर पहुँचहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल तेरह (१३)
आहाँ लागलहुँ हमर रस्ता घेरहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल बारह (१२)
आहाँ लागलहुँ हमरा लाठीसँ मारहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल एगारह (११)
आहाँ लागलो हमर कुर्ता फारहएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल दस (१०)
अहाँ कहलहुँ हमरा जमीन पर बसएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल नौउह (९)
आहाँ कहलहुँ हमरा ओहिठाम नोकर बनिरहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल आठ (८)
आहाँ घोरैत छलहुँ खाटएक टका तखने देलहुँ ....

टका बचल सात (७)
आहाँ खाइत छलहुँ नून भातएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल छः (६)
आहाँ उपारैत छलहुँ जौएक टका तखने देलहुँ ....

टका बचल पॉँच (५)
आहाँ देखैत छलहुँ चौकी तोर नाचएक टका तखने देलहुँ......

टका बचल चारि (४)
आहाँक सभ भाई मे बाझल मारिएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल तीन (३)
आहाँ सभ भाई भेलहुँ भीनएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल दू (२)
आहाँ कहलहुँ महादेवक पिड़ी छूएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल एक (१)
आहाँ के बाबूजीक बरखी मे दक्षिणा देलएक टका तखने देलहुँ ......

बाँकी के बचल सुईद आर व्याज
ओहिमे देलहुँ ढाई मोन प्याज ॥"


जय मैथिल , जय मिथिला धाम ,

याद राखु बस अप्पन गाम



मदन कुमार ठाकुर,
कोठिया पट्टीटोला,
झंझारपुर (मधुबनी)
बिहार - ८४७४०४,
मोबाईल +919312460150 ,

शनिवार, 27 मार्च 2010

सत्यानास संग- लग्न



सत्यानास संग- लग्न

अमंगल गुटखा खाद्य्म धुम्रपान अमंगल सर्बब्य्संम
कराग्रे बसती बीडी करमध्य चुरतम,
करमूले श्थितो गुटखा प्रभाते कर दर्शनं


दुर्भाग्वती बीड़ी , कुमारी उर्फ़ सिकरेट देवी
कुपुत्री - श्री तम्बाकू लाल जी ,
एवं श्री मति चिलम देवी ,
निवासी =+++ यमलोक ,
होउस - दुखनगर ,अंतिम इक्छा


संग

मृत्य आत्मा कैंसर कुमार उर्फ़ लाईलाज बाबु ,
कुपुत्र - गुटखा लाल जी एवं श्री मति भंग देवी ,
निवासी - गलत रास्ता ब्यबसनपुर (नसा परदेश)


के अशुभ विवाह तय भेल अछि अन्तह अहि भयानक प्रसंग पर --
काका - गाजा सिंह , काकी- अफीम देवी , बाबा- हुकाराम ,मैया -सुल्फी देवी ,
मामा -चरस राम , मामी - सारवी देवी ,नाना - चाय सिंह , नानी कोफ्फी देवी ,
ताऊ -चुना राम ,फूफ्फा - जर्दा राम ,सन ईहन खास बुजुर्ग सबहक़ उपस्थित में ,
नब दम्पत्ती के अभिशाप करैक हेतु अहाँ सब
सादर आमंत्रित छि ,--------

विवाह समय - अनिशचितकाल
विवाह स्थल -समसान घाट मैरिज होम --
चिन्त्ता भवन ,कष्ट मोहल्ला ,दुर्गात्ति गल्ली ,
दुःख नगर , जिला - परलोक पुर
राज्य - अंतिम धाम पिन -००००००

गुरुवार, 25 मार्च 2010

खतरनाक विवाह



खतरनाक विवाह में अपनेक सब आमंत्रण जुनी होयब -----

हमर ई आशा और अभिलाषा अछि -----

अमंगल विवाह

मंगलवार, 9 फ़रवरी 2010

बहुत महत्व अछि -----

      (  जिंदगी मेs सभ चीजक सदिखन बहुत महत्व होइत अछि ! चाहे मानव हुअए या कुनू दानव या स्वर्गक भगवान ! ओही शब्द कs याद कराबय लेल हम आइ अपन गाम घर (मैथिली ब्लॉग) पर "बहुत महत्वक जे अछि, से" एकगोट छोट सन् शब्द कोस डिक्सनरी लऽsकऽs पाठकगण के समक्ष उपस्थित छी ! )


                      प्रेमक संग कहू जय मैथिली, जय मिथिला.....



                             ~~~* बहुत महत्त्व अछि *~~~




फल मेs आम के, नशा मेs भांग के, भगवान मेs श्री राम के, बहुत महत्व अछि .....

तरकारी मेs आलू के, नाच मेs भालू के, मंत्री मेs लालू के, बहुत महत्व अछि ......

विषय मे, इतिहास के, ज्ञान मेs वेदव्यास के, मूर्ख म्मेs काली दास के, बहुत महत्व अछि ....

जेल मेs सिपाही के, सड़क पर राही के, कोट मेs गवाही के, बहुत महत्व अछि ......

शहर मेs लंदन के, मस्तक पर चंदन के, पर्व मेs रक्षाबंधन के, बहुत महत्व अछि .....

कार मेs सेंट्रो के, दिल्ली मेs मेट्रो के, बैंक मेs कैश काउन्टर के, बहुत महत्व अछि ....

बिहार मेs कुर्ता के, पान मेs जर्दा के, समसान मेs मुर्दा के, बहुत महत्व अछि ....

लाइफ मेs टेंसन के, वृद्धावस्था मे पेंसन के, ऑफिस मेs सेक्शन के, बहुत महत्व अछि .....

आदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs पट्टीटोल के, बहुत महत्व अछि .....

घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....

रांची मेs मेन्टल के, डॉक्टर मेs डेन्टल के, आदमी मेs जेन्टल के, बहुत महत्व अछि ....

सहर मेs नाली के, झगरा मेs गाली के, ससुराल मेs साली के, बहुत महत्व अछि ...

जार मेs हिट के, गाड़ी मेs सिट के, भोजन मेs मिट के, बहुत महत्व अछि ....

साड़ी मेs कोटा के, पानि पिबय मेs लोटा के, स्कूल मेs सोटा के, बहुत महत्व अछि ....

नाचैय मेs मोर के, बेलमोहन मेs चोर के, समय मेs भोर के, बहुत महत्व अछि ....

भोजन मेs दाँत के, गहूम पिसय मेs जाँत के, पूजा-पाठ मेs भोले नाथ के, बहुत महत्व अछि...

अनाज राखै मेs कोठी के, माछ मेs पोठी के, पेटख़राब मेs गोटी के, बहुत महत्व अछि ....

प्रेमिका मेs राधा के, नारी मेs सीता के, सभ ग्रन्थ मेs गीता के, बहुत महत्व अछि .....
नदी मेs गंगा के, स्वर्ग मेs रम्भा के, हिरोईन मेs प्रियंका के, बहुत महत्व अछि .....

दही मेs लेषन के, पंच्चर मेs सुलेषन के, लड्डू मेs बेषन के, बहुत महत्व अछि .....

सड़क पर धुल के, झंझारपुर मेs पुल के, बगान मेs फूल के, बहुत महत्व अछि .....

पाँव मेs जूता के, गेट पर कुत्ता के, भाषण मेs नेता के, बहुत महत्व अछि .....

गाँव मेs हाट के, चौपाल मेs खाट के, सफाई मेs धोबी घाट के, बहुत महत्व अछि ....

नॉएडा मेs सेक्टर के, फिल्म मेs एक्टर के, गाँव मेs टेक्टर के, बहुत महत्व अछि ....
ब्लोक मेs अमिन के, किरकेटर मेs सचिन के, विश्व मेs सुन्दर हसीन के, बहुत महत्व अछि ....

व्यापार मेs मंदी के, जेबर मेs चांदी के, भारत मेs महात्मा गाँधी के, बहुत महत्व अछि .....

सुइया दै मेs सिरिंच के, बच्चा मेs प्रिन्स के, पेंट मेs जिन्स के, बहुत महत्व अछि .....

सेंसेक्स मेs रेटिंग के, मिथिला मेs पेंटिंग के, फिल्म मेs एक्टिंग के, बहुत महत्व अछि ....

घर मेs सरभेंट के, महिला मेs प्रगनेन्ट के, दिल्ली मेs गर्लफ्रेंड के, बहुत महत्व अछि .....

रसोई मेs चावल के, बिल्डिंग मेs मारवल के, दरबारी मेs बीरबल के, बहुत महत्व अछि....

बन्दूक मेs गोली के, पूजा मेs रोली के, कमिटी मेs बोली के, बहुत महत्व अछि .....
गाछ मेs नीम के, संगीत मेs नादिम के, कसाई मेs जालिम के, बहुत महत्व अछि .....

मुम्बई मेs सेठ के, दिल्ली मेs इंडिया गेट के, शरीर मेs पेट के, बहुत महत्व अछि .....

फौजी मेs बर्दी के, सिलाई मेs दर्जी के, हस्ताक्षर मेs फर्जी के, बहुत महत्व अछि ......

पितरपक्ष मेs तर्पण के,मूह देखै मेs दर्पण के,जीवन मेs आत्मसमर्पण के बहुत महत्व अछि....
दीवाली मेs गिप्ट के, नौकरी मेs सिप्ट के, बिल्डिंग मेs लिप्ट के, बहुत महत्व अछि .....
बारीष मेs बरसाती के, पूजा मेs आरती के, विवाह मेs बरयाती के, बहुत महत्व अछि .....

केश मेs सेम्पू के, सर्कश मेs तम्बू के, अमिताभ बच्चनक लम्बू मेs बहुत महत्व अछि ....

कथा मेs समाप्त के, सामान मेs पर्याप्त के,  कवि में विस्वविखायत के , बहुत महत्व अछि ..........




                                              जय मैथिली, जय मिथिला

मदन कुमार ठाकुर,
 कोठिया पट्टीटोल,
झंझारपुर ,(मधुबनी)
बिहार - ८४७४०४,
मोबाईल +919312460150 ,
ईमेल - madanjagdamba@rediffmail.com
            madanjagdamba@yahoo.com
जिंदगी मेs सभ चीजक सदिखन बहुत महत्व होइत अछि ! चाहे मानव हुअए या कुनू दानव या स्वर्गक भगवान ! ओही शब्द कs याद कराबय लेल हम आइ मैथिल आर मिथिला (मैथिली ब्लॉग) पर "बहुत महत्वक जे अछि, से" एकगोट छोट सन् शब्द कोस डिक्सनरी लऽsकऽs पाठकगण के समक्ष उपस्थित छी !




प्रेमक संग कहू जय मैथिली, जय मिथिला.....



~~~* बहुत महत्त्व अछि *~~~





फल मेs आम के, नशा मेs भांग के, भगवान मेs श्री राम के, बहुत महत्व अछि .....



तरकारी मेs आलू के, नाच मेs भालू के, मंत्री मेs लालू के, बहुत महत्व अछि ......



विषय मे, इतिहास के, ज्ञान मेs वेदव्यास के, मूर्ख म्मेs काली दास के, बहुत महत्व अछि ....



जेल मेs सिपाही के, सड़क पर राही के, कोट मेs गवाही के, बहुत महत्व अछि ......



शहर मेs लंदन के, मस्तक पर चंदन के, पर्व मेs रक्षाबंधन के, बहुत महत्व अछि .....



कार मेs सेंट्रो के, दिल्ली मेs मेट्रो के, बैंक मेs कैश काउन्टर के, बहुत महत्व अछि ....



बिहार मेs कुर्ता के, पान मेs जर्दा के, समसान मेs मुर्दा के, बहुत महत्व अछि ....



लाइफ मेs टेंसन के, वृद्धावस्था मे पेंसन के, ऑफिस मेs सेक्शन के, बहुत महत्व अछि .....



आदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs पट्टीटोल के, बहुत महत्व अछि .....



घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....



रांची मेs मेन्टल के, डॉक्टर मेs डेन्टल के, आदमी मेs जेन्टल के, बहुत महत्व अछि ....



सहर मेs नाली के, झगरा मेs गाली के, ससुराल मेs साली के, बहुत महत्व अछि ...



जार मेs हिट के, गाड़ी मेs सिट के, भोजन मेs मिट के, बहुत महत्व अछि ....



साड़ी मेs कोटा के, पानि पिबय मेs लोटा के, स्कूल मेs सोटा के, बहुत महत्व अछि ....



नाचैय मेs मोर के, बेलमोहन मेs चोर के, समय मेs भोर के, बहुत महत्व अछि ....



भोजन मेs दाँत के, गहूम पिसय मेs जाँत के, पूजा-पाठ मेs भोले नाथ के, बहुत महत्व अछि...



अनाज राखै मेs कोठी के, माछ मेs पोठी के, पेटख़राब मेs गोटी के, बहुत महत्व अछि ....



प्रेमिका मेs राधा के, नारी मेs सीता के, सभ ग्रन्थ मेs गीता के, बहुत महत्व अछि .....



नदी मेs गंगा के, स्वर्ग मेs रम्भा के, हिरोईन मेs प्रियंका के, बहुत महत्व अछि .....



दही मेs लेषन के, पंच्चर मेs सुलेषन के, लड्डू मेs बेषन के, बहुत महत्व अछि .....



सड़क पर धुल के, झंझारपुर मेs पुल के, बगान मेs फूल के, बहुत महत्व अछि .....



पाँव मेs जूता के, गेट पर कुत्ता के, भाषण मेs नेता के, बहुत महत्व अछि .....



गाँव मेs हाट के, चौपाल मेs खाट के, सफाई मेs धोबी घाट के, बहुत महत्व अछि ....



नॉएडा मेs सेक्टर के, फिल्म मेs एक्टर के, गाँव मेs टेक्टर के, बहुत महत्व अछि ....



ब्लोक मेs अमिन के, किरकेटर मेs सचिन के, विश्व मेs सुन्दर हसीन के, बहुत महत्व अछि ....



व्यापार मेs मंदी के, जेबर मेs चांदी के, भारत मेs महात्मा गाँधी के, बहुत महत्व अछि .....



सुइया दै मेs सिरिंच के, बच्चा मेs प्रिन्स के, पेंट मेs जिन्स के, बहुत महत्व अछि .....



सेंसेक्स मेs रेटिंग के, मिथिला मेs पेंटिंग के, फिल्म मेs एक्टिंग के, बहुत महत्व अछि ....



घर मेs सरभेंट के, महिला मेs प्रगनेन्ट के, दिल्ली मेs गर्लफ्रेंड के, बहुत महत्व अछि .....



रसोई मेs चावल के, बिल्डिंग मेs मारवल के, दरबारी मेs बीरबल के, बहुत महत्व अछि....



बन्दूक मेs गोली के, पूजा मेs रोली के, कमिटी मेs बोली के, बहुत महत्व अछि .....



गाछ मेs नीम के, संगीत मेs नादिम के, कसाई मेs जालिम के, बहुत महत्व अछि .....



मुम्बई मेs सेठ के, दिल्ली मेs इंडिया गेट के, शरीर मेs पेट के, बहुत महत्व अछि .....



फौजी मेs बर्दी के, सिलाई मेs दर्जी के, हस्ताक्षर मेs फर्जी के, बहुत महत्व अछि ......



पितरपक्ष मेs तर्पण के,मूह देखै मेs दर्पण के,जीवन मेs आत्मसमर्पण के बहुत महत्व अछि....



दीवाली मेs गिप्ट के, नौकरी मेs सिप्ट के, बिल्डिंग मेs लिप्ट के, बहुत महत्व अछि .....



बारीष मेs बरसाती के, पूजा मेs आरती के, विवाह मेs बरयाती के, बहुत महत्व अछि .....



केश मेs सेम्पू के, सर्कश मेs तम्बू के, अमिताभ बच्चनक लम्बू मेs बहुत महत्व अछि ....



कथा मेs समाप्त के, सामान मेs पर्याप्त के, बहुत महत्व अछि ..........





जय मैथिली, जय मिथिला

मदन कुमार ठाकुर,
कोठिया पट्टीटोल,
झंझारपुर (मधुबनी) बिहार - ८४७४०४,

मोबाईल +919312460150 , ईमेल - madanjagdamba@rediffmail.com

रेडीमेट क जमाना

(रेडिमेडक मतलब जे काम चलाऊ, कमसँ कम समय मे, कमसँ कम खर्चा मे, आ कमसँ कम मेहनत मे, निकसँ निक समान, निकसँ निक व्यवस्था आ निकसँ निक मनोरंजन होइत अछि ! रेडिमेड सभ तरहे सभ लोककें अपना तरफ आकर्षित करैत अछि ! जकर किछ उदहारण हम    पाठक गन के बिच प्रस्तुत करे चाहय छी ) ....



(१) हमर विवाह छल पंडितजी के देखलियैन डेढ़ घंटाक अन्दर मs ओ विवाह दान सब करा' देलथि ! हम पंडितजी सँ कहलियनि पंडितजी हम छंदोगी ब्रह्मण छी, हमरा सभक विवाह कमसँ कम छः सात घंटा मेs समाप्त होइत छैक ! मुदा अहां दुई घंटाक भीतर सब किछ कोनाक करबा देलियइ ? पंडितजी बजलाह .... सुनु जमाय बाबु " आब अहां के नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " तहि द्वारे झट मंगनी पट विवाह होइत छैक !


(२) हमर काकाक एगो बेटा लंदन मे रहैत छल ! पढाई लिखाई मे बहुत होनहार छल ! ओकरा पर सभके विस्वास छल जे एक दिन ई खान्दानक नाम रोशन जरुर करत ! दुई सालक बाद ओ गाम आयल आ संग मे ऐगो फोर्नर लड़की के सेहो लs कs आबी गेल छल ! तेँ ओकरा बाबु पुछलखिन्ह जे रौ बोउवा तू विवाह हमरा बिना कहने आ पंडितजी के बिना दिन तकेनै कोनाक कs लेला ? बोउवा बजल ... "बाबु आहां के आब ई नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " बाबु हमर विवाह नै भेल हन ई हमर गर्लफ्रेंड छी !



 (३) हम दिल्ली नए - नए आयल छलहुँ ! हम आर हमर भैया एगो विवाह मे सामिल भेल छलहुँ ! विवाह मे देखलहुँ सभकियो नाचैत छल ! आ सब कियो ठारे - ठार भोजन करैत छल ! हम भैयासँ पूछलहुँ भैया अहिठाम ई की भs रहल छैक ? भैया कहलक ... रे बुरबक " आब तोरा ई नै बुझल छो जे रेदिमेडक जमाना छैक " आब लोकक पास ओतेक समय नै छैक जे ओ बैस के भोजन आ चारि घंटा बैस के प्रोग्राम देखता !


(४) साउथ अफ्रीका मे क्रिकेट मैच चलैत छल ! धोनीक टिम मैच खेलैत छल ! तहिसँ सभ टी.वी. समाचार चेनल पर धुवा - धार जय - जय कार होइत छल ! कियेकी २० - २० क्रिकेट मेच इंडिया जीत गेल छल ! हम अपन काका से पुछलियनि काका पहिने ५० - ५० ओभरक क्रिकेट मेच होइत छल ! आब २० - २० ओभरक खेल किये होइत अछि ? काका बजलाह ... बोउवा " आब अहाँ के ई नै बुझल अछि जे आब रेडिमेडक जमाना छैक " लोगक पास आब ओतेक समय नै छैक जे ओ बैस केs पूरा ५० ओभर के खेलक आनंद लेता !

(५) एगो हमर साथी छलथि हुनकर विवाह के मात्र पाँचे महिना भेल छलनि ! ताहिक उपरांत हुनकर घरवाली के एगो बच्चा जनमलनि ! ओही बातसँ आस - पासक जतेक पड़ोसी छलनि सभ केs लगलनि ई कोना केs भs गेल यो एखन त विवाह के मात्र पाँचे महिना भेल हएँ ! हमर साथी बजला ... " आब अपने सभ के ई नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " जे जन्मल धिया पुता आ बसायल घर सब के मिलैत छैक !

(६) एक दिनक बात अछि ... बाबा आर हम दुनु आदमी दिल्ली गेलो ! लालकिला आ कुतुबमीनार देखैक लेल ! आबैत काल मे बाबा के लघुसंका लागी गेलनि ! बाबा हमरा कहलथि जे कनी पानिक व्यवस्था कs दिअ जे हम लघुसंका करब ! हम एगो दूकान से १० रुपैया मे पानिक बोतल लेलहुँ आ बाबा के रोडक साइड मे जगह देखा देलियनि ! बाबा पानि लs केs रोड के साइड मे बैस के लघुसंका करैय लागला ! ताबे मे किम्हरो से ऐगो सफाई करैय बला जमेदार आबिगेल आ बाबासँ कहलकनि ... आपको " अब मालूम नहीं हैं जो अब रेडिमेड का जमाना हैं " जो आप रोड को गन्दा करते हो ! इसके लिए सरकार ने रेडिमेड सुलभ सौचालय का व्यवस्था किया हैं !


(७) इलहाबादक एगो हमर पड़ोसी शर्माजी छलथि ! हुनका एगो २५ वर्षक लड़की छलनि जे डिग्री प्राप्त कs केs घर मे बैसल छलथि ! मुदा शर्माजी के अपन काज धंधा सँ फुरसते नै भेटैत छलनि जे ओ अपन बेटी मुन्नी के लेल वर तकता ! ओ बार बार हमरा परेसान करैत रहैत छलाह जे मदनजी कतौ हमरा मुन्नीक लेल योग्य लड़का देखियो ...... हम कहलियनि .... अपने केs " आब ई नै बुझल अछि जे आब रेडिमेडक जमाना छैक " आब इन्टरनेट के 'Shadi.com' पर वर आ कनियाँ रेडिमेड भेटैत छैक ! मुन्नी से कहबई जे अपन योग्य लड़का ताकि लेट !


(८) एकटा हमर डॉक्टर काका छलथि ! हुनका दिल्लीमे घर आँगन नै छलैन तहि सs ओ अपन परिवारक लेल काफी परेसान रहैत छलैथ ! एक दिन ओ हमरा कहलैथ जे मदनजी हमरा कतौ जमीं खरीद दिअ जे हम दू सालमे अपन घर आँगन बनबा लेब कियेकी आब हमहूँ वृद्ध अवस्थामे आयल जायत छी ..... हम कहलियनि .... काका जी अहाँ के " आब ई नै बुझल अछि जे रेडिमेडक जमाना छैक " कतेक आदमी के रेडिमेड घर आँगन रियल स्टेट कम्पनी द्वारा मिलैत छैक !




(९) हम टी.वी. पर आजतक समाचारक चेनक देखैत छलहुँ ! विषय छल मंत्री परिषद् मे चिंता .... कांग्रेस के पूर्ण रूपसँ बहुमत प्राप्त भs गेल छल ! मुदा विरोधी दल बी.जे.पी. ओही के समर्थन नै करैत छल ! कहैत छल जे विदेशी नेता सोनिया गाँधी हमर मंत्री आ हमर सरकार नै बनि सकैत अछि ! ओही सम्मेलन मे श्री लालू प्रसाद यादव सेहो बैसल छलथि ! लालू जी अंत मे बजलाह ... " आपलोगों को मालूम नहीं हैं की अब रेडिमेड का जमाना हैं " बहुमत किसी को भी मिले मंत्री कोई भी बन सकता हैं ! जैसे मैं जब चारा घोटाला के केस में जेल जाने वाला था तो अपनी पत्नी को मुखमंत्री का कुर्शी पर बैठा कर जेल गया था !





(१०) किछ दिन पहिनेक बात अछि ! हम गामे मs रही हमर काका अपन बेटिक कन्यादान ठीक केलथि ! मुदा वर पक्ष बला कहलकनि जे सरकार हमरा दहेजक पाई काल्हि साँझ तक चाही तखने हम विवाह करब ! नै तेँ दोसर गाम के घटक तैयार छथि ! ई बात शनिक साँझ के छी ! सब कियो परेसान भोs गेला कारण की काल्हि रवि छले आ रवि के बैंक बंद रहैत अछि, साँझ तक एक लाख रुपैया के कोना व्यवस्था हेत ! दोसर दिन काका गाम मे दुई चारी आदमी के पुछल्खिन सभ कियो कहलकनि जे हम सोम दिन बैंक सs पाई आनी के देब ! मुदा वर पक्षक शर्त रवि दिनक साँझ तक छलनि ! अंत मे हम कहलियनि.... " अहां सभ के ई नै बुझल अछि जे आब रेडिमेडक जमाना छैक " आब पाई मशीन सs निकलैत अछि ! तखने हम दू आदमी झंझार पूर ATM मशीन पर गेलहुँ आ चारि टा कार्ड के एक लाख रुपैया निकाली के आबि गेलहुँ सब गाम मे देखते रही गेल ....



                                                madan  kumar thakur


                                     जय मैथिली, जय मिथिला,




शनिवार, 14 नवंबर 2009

'' कला अक्षर भैस बराबर ''

आखिर में कतेक दिन तक चलत ईकहाबत

'' कला अक्षर भैस बराबर ''

ई छि चर्बाहा स्कूलक हालत ,

देखू केना - केना क बच्चा सब स्कुल में अंग्रेजी पढ़य्ल जायत अछि ,

शिक्षक दुरा शब्द बय्ख्या --

मंगलवार, 20 अक्टूबर 2009

पति - पत्नी (लतीफे)-



पति - पत्नी (लतीफे)-



१.

पति - डाक्टर साहिब हमर घर वाली के पेट में एक दू महिना से लगातार दर्द भ रहल छैक से

कन्नी निक जेका देखियो की कारन छैक ?

डाक्टर - देखो मै अछे से देख लिया हूँ और दबाई भी दे दिया हूँ , रोज सुबह - शाम

एक - एक मुन्ना खा लेना और फिर १५ दिन के बाद आके दिखा बा लेना ,

पत्नी - यो फल्लं के बाबु हमरा पेट में और जोर से दर्द बारहल जैया , रोज साँझ आ भोर के एगो -

एगो मुन्ना खैत छीय तयो ,

पति - निक बात छि , निक बात छि , दर्द होयत अछि त हुअ दियो , देखियो १४ दिन में कतेक टा

पेट भगेल अछि , लागैत अछि जे जल्दीय एक दू महिना में डेल्बरी भ जायत ,

२ .

पत्त्नी - सुनै छिय हम आब खेनाय - पिनाया नै बंबायब और चुल्हा चेकी के काज नही करब ,

पति - से किया ?
पत्नी - आब केंद्र सरकार आ बिहार सरकार सेहो महिला के लेल ५० प्रतिसत आरक्षण क देलकै हन ,
अपन भविष्य सुधारे के लेल ,
पति - ठीक अछि , आहा बहार के काज देखू आ दुनिया घुमु , हम घर में भोजन बनायब आ संग- संग अहाँ के बचो के जनम देब ,

३.
पत्त्नी - यो फला बाबु के रेडियो में कहैत छल जे , परिवार की गती विर्धी को रोको या फिर कंडोम
इस्तमाल करो ,
पति - ठीक अछि , हम जाई छी दबाई दुकान पर ,

( दुकान दर से ) यो हमरा एगो कंडोम दिय , हमरा अपन कनिया कहलें हन ,

दुकानदार - कुन कंपनी के आ लेडिज या जैन्स के ?

पति - हम पूछी के आबैत छी , --

यई सुनैत छिय , कहलक जे कुन कंपनी के आ लेडिज या जैन्स के ,

पत्त्नी - कहबैन अपना दुकान से बच्चा बाला ,


४.

पति - (फोन से फोन पर ) चालू डार्लिंग सिनेमा देखेय लेल ,

पत्त्नी - आई नै सन्डे दिन ,

पति - (फोन से अगिला सन्डे के ) आई टिकट ल लिय ?

पत्त्नी - (चुपे - चाप ) कहलो ने अगिला सन्डे दिन के ,

पति - एखन कतय छी ? ऐना कियक बजय छि ,

पत्त्नी - कहलो ने बॉय फ्रेंड संग पि बी आर में ,

५.

( पति - पत्नी के एक दोसर से झगरा होयत छल , खूब गारा - गारी , ओकरा माय के ओ ,त

ओकर बाप के ओ , खाई त छलखिन , )

पति - हम जहिया से बियाह केलो हमरा कपार में आगि लागी गेल ,

पत्नी - हमरा जहिया से एकरा संग हमर माय बाप लगा देलक हमर नशीब में आगि लगी गेल ,

( ताबे में एगो छोरा जे दिल्ली से आयल छल , आ संग में मोबाईल फोन सेहो रखने छल ओ हबर - हबर -१०१ नंबर डाइल क देलकै आ कहलकै , हेल्लो अग्नि शमन पुलिस कंट्रोल (यस

स्पीकिंग ) सर हमरे परोस में एक ही परिवार के पति और पत्नी को कापार में आग लग चुके है

कृप्या बुताने का प्रबंध करे --)

पुलिस आयल आ दुनु बय्क्ति के हाथ में हाथकरी लगा के जेल में बन्द क देलकैन तखने दुनु

प्राणी के कपार में लागल आगी सांत भगेल ,


6.

पति - यई काल्ही हमर मैरेड एनिभार्शारी छि , से हमर दोस्त महिम सब आयत से

अपन मुहक सरोसती के कनी बंद क के रखाब ,

पत्नी - ठीक अछि , बुझालो अहाँ के बात ,

दोस्त सब - यो मित्र बहुत निक पार्टी रहल , बहुत आनन्द आयल , बहुत खेलो - पिलो ,

मुदा अह्ना के लाइफ़ पाटनर के नहीं देखैत छि , हुनके लेल ने एतेक केलो हन ,

कनी बजाऊ हुनको से बात करब आ मैरेड एनिभार्शारी के सेहो सल्ब्रेट क देबैन ,

पति - यई सुनाई छीय हमर दोस्त सब कनी बात करता से घर से बहार आउ कनी

चेहरा देखा दियोन हिनको सब के ,

दोस्त सब - आ -- हा हा , बहुत सुन्दर , -२ दोस्त अहाँ त खूब नशीब बाला छि यो ?

पत्नी - हँ हँ कियक ने आई जे हिनकर मैरेड एनिभार्शारी जे छियन ,

दोस्त सब - से की अहाँ के मैरेड एनिभार्शारी नहीं छि ?

पत्नी - नै , हमर बियाह के प्रथम शालगिरः छि ,


7.

पत्नी - यो फल्ला के बाबु गाम में सब कहैत छैक जे कमला कात में बड़ जोरगर

बाड़ी आयल छैक से सबटा सामान लके कतय जायब , घर त बढिक पैन से

खैस परत ?

पति - यई अहाँ सब दिनक बुधु के बुधु रहिये गेलो ,

पत्नी - से की , ठीके त कहैत छि ,

पति - बाढ़ी एलय त आब दियो ने , कमला के कात में में एलय ना हमर घर त

कमला के दुनू छहर के बिच यानि कमला के पेट में अछि , हमरा कुन डर ,


8.

पत्नी - यो सुनैत छिऐ आब शोभाग्य मिथिला टी वि पर गप्पी नंबर वन आबैत छैक ,

से अहँ कियक नै अहि में भाग लैत छि , ओही में भाग लेला से बहुत रास

पाई, बहुत रास समान आ बहुत रास इज्जत, आ मान सम्मान सेहो भेटत ,लोक सब

सेहो चिनहत जे ई फलां बाबु छिया ,

पति - हाँ हाँ से त ठीके कहैत छि , मुद्दा अहाँ के झारू ,अहाँ के बारैहन , आ अहाँ के खापैर

आ बेलां से फुर्सत भेटत तखन न ,

९.

पत्नी - सब के घर में देखैत छि , गिप्ट पर गिप्ट भरी घर गिप्टे टा मुद्दा अहाँ के घर

में की आयल , एको पाओ मिठाई के डिबो टा नही , खाली नाम के लेल पंडित जी ,

सबटा फुसिये के जे हमरा एतेक रास जजमान अछि ,

पति - अहाँ चिंता कियक करैत , सब दुखक इलाज त हमरे लग अछि ,

पत्नी - से कोना ?

पति - जाबे हम १००१ रूपैया नही लेबई ताबे की हम कतौ के पूजा करेबनी , हमरा बिना

किनको की उधार छैन , जाबे लबैन नै ताबे पूजा करबैन नही, हम टस से मस नही हेबैन ,

ओकर बात अहाँ लैत रहब गिप्ट ,लिप्ट, सिपट जतेक लेबक रहत ,

                                                    jay maithil  jay mithila

मदन कुमार ठाकुर
जगदम्बा ठाकुर

पट्टीटोल , कोठिया , झंझारपुर , मधुबनी , बिहार
मो -- ९३१२४६०१५०
e-mail , madanjagdamba@yahoo.com
           madanjagdamba@rediffmail.com