(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मैथिली पत्र-पत्रिका लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
मैथिली पत्र-पत्रिका लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

मंगलवार, 17 अगस्त 2010

झलक मिथिला : मैथिलीक हलचल

मिथिलाक हालचालदिस सं स्वाधीनता दिवसक हार्दिक शुभेच्छा ओ मंगलकामनामहाशय,
हावडा-कोलकाता सं प्रकाशित हिंदी दैनिक समाचार पत्र सप्ताह मे एकदिन(Continue from Monday, 31 May, 2010) कs पृष्ठ - 5 पर आधा पृष्ठ मैथिलीसमाद आ साहित्यिक रचना प्रकाशित करबाक ठनलक अछि। एकर सफलताक बाद एकरादैनिक आ संपूर्ण पृष्ठक कs देल जायत. पत्र एहि मे अपनेक रचनात्मक सहयोगकेर आकांक्षा करैत अछि. आशा अछि अपने अपन रचना पठा हमरा लोकनिक मनोबलबढायब. किछु आवश्यक दिशा-निर्देश :-

१। साहित्यक सभ विधा मे रचना आमंत्रित अछि ।
२। मैथिली संस्था समाचार सेहो आमंत्रित अछि।
३। मिथिला सं संबंधित राष्ट्रीय-अंतर्राष्ट्रीय समाचारक स्वागत अछि।
४। एहि पार ओ ओहि पार (भारत-नेपाल) केर मैथिली-मिथिला संबंधितराजनैतिक-सामाजिक समाचार ओ आलेख आमंत्रित अछि।
५। साहित्यिक रचना अप्रकाशित रहबाक चाही।
६। समाचार प्रकाशित-अप्रकाशित भs सकैत अछि।
समाचार ७ दिन सं बेसी पुराननहि रहबाक चाही।
७। रचना लघु हो तs उत्तम।
८। रचना वा समाचारक संगहि अपन पता ओ संपर्क सूत्र देब नहि बिसरी।
सधन्यवाद,
झलक मिथिला मैथिलीक हलचल - मिथिलाक हालचालसंपादक :
रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'Website: rkjteoth.blogspot.कॉम
mail : jhalakmithila@gmail.comMobile : +91-९२३९४१५९२१
Fax : 033-2678 7474Phone : 033-2678 ७५९५
Address: 31/A/1, Kalabagan Lane,
Howrah - 711 104,City Office: 21/A/1,
Prince Baktya Sha Road,
Kolkata - 700 033

शुक्रवार, 30 जुलाई 2010

परिछन के प्रवेशांक सार्वजनिक भेल

दिल्ली के मैथिली-भोजपुरी अकादमी स्थापनाक बादहि सं पत्रिकाक प्रकाशन लेल प्रयासरत छल। एही बरख मार्च मे,अकादमी अपन पत्रिकाक प्रवेशांक केर विमोचन मुख्यमंत्री शीला दीक्षित सं करओने छल मुदा पत्रिका किछु तकनीकी कारणें सार्वजनिक रूप सं उपलब्ध नहि भ सकल छल। एहि माह ई पत्रिका सार्वजनिक कएल गेल अछि। अनुमान छलैक जे पत्रिका मैथिली आ भोजपुरी मे अलग-अलग छपत। परञ्च,पत्रिका मे दुनू भाषा केर सामग्री संयुक्त रूप सं राखल गेल अछि। पत्रिकाक नाम छैक-परिछन। मैथिली आ भोजपुरी दुनू संस्कृति मे बहुप्रयुक्त शब्द। 104 पृष्ठक एहि पत्रिका मे 96 पृष्ठ मे मैथिली सामग्री अछि आ शेष मे भोजपुरी। पत्रिका के मूल्य पचास टका राखल गेल अछि। 175 टका द कए वार्षिक सदस्यता सेहो लेल जा सकैत अछि। इच्छुक लोकनि सचिव,मैथिली-भोजपुरी अकादमी,समुदाय भवन,पदम नगर,किशनगंज,दिल्ली-110007 पर सम्पर्क क सकैत छथि। बहरहाल,एक नज़रि प्रवेशांकक सामग्री परः
1. निबंधः ई आरोप कि आधुनिकत कविता दुर्बोध होइत अछि-रैंडल जैरेल
2. कविताः
क.पूसक ठिठुरैत भोर-रमानन्द रेणु
ख.दुर्लभ प्राणी भेल जाइए मनुख,छाउर की खोरनाठ,आगि बांटक गप करी,लड़ए पड़ै छै,छुच्छे देख रहल छी-महाकान्त रेणु
3. समकालीन रचनाकारक रचनात्मक दायित्व विषयक विमर्शः
क. संघर्ष जतबे तीक्ष्ण प्रतिभा ओतबे तीक्ष्ण-शेफालिका वर्मा
ख. चुनौतीक स्वीकरण-विद्यानाथ झा विदित
ग. रचनाकारक दायित्वबोध रचनाक प्रेरक व संवाहक-नीता झा
घ. मैथिली के चाही बेस्ट सेलर पोथी-प्रदीप विहारी
4. खिस्सा-पिहानीः
क. हलधर-कामना झा
ख. नांगट जमाय-कामिनी कामायनी
ग. वध-अशोक चौधरी
घ. प्रेम-अशोक कुमार पोद्दार
ड.-होलिका दहन-अंजू ठाकुर
च.-वज्रादपि कठोराणि मृदूनि कुसुमादपि
छ. संस्कार-इंदिरा झा
5. रिपोर्ताजः की अछि मिथिला,के छथि मैथिल-मानवर्द्धन कंठ
6. ललित निबंधः ढेंग-गुलेल
7. संस्कृतिः
क.लोक जीवन में जनचरित्री संस्कृति-चन्द्रेश
ख.भाओ-भगैत-गहबर गीतक प्रासंगिकता
8. कलाः
क.मिथिला चित्रकला आ संस्कृति-अरूण कुमार कर्ण
ख-. मिथिला लोक चित्रकला-संस्थागत विकासक रूपरेखा-सुरेश चन्द्र मिश्र
9.सिनेमाःमैथिली सिनेमाःसंकट आ संभावना-कुमार राधारमण
10. समीक्षाः मायानंद मिश्रक इतिहास-बोध-गजेन्द्र ठाकुर

रूचिगर सूचनाक मंच पर अपनेक स्वागत अछि

बुधवार, 7 अप्रैल 2010

रुपैया बीस (सुईद ब्याजक संग )

रुपैया बीस (सुईद ब्याजक संग )
ई चुटकुला मुसाय बाबाक सन्दर्भसँ लेल गेल अछि ! --

ओना तs बाबाक समाजक प्रति अनेको उपकार छन्हि ताहिमे एक - दोसराक प्रति परोपकार सेहो बही - खातामे लिखल गेल छनि ! मुसाय बाबाक १ अगस्त २००३ कs देहवासन भs गेलन्हि मुदा हुनकर कृति एखनो धरी समाजमे व्याप्त अछि ! बाबाकेँ धन - सम्पति अपार छलनि ताहिसँ समाजमे मान-मर्जादा बहुत निक भेटैत छलनि ! दस बीस कोससँ लोक सभ मुसाय बाबासँ सुईद (व्याज) पर पाई लैक लेल आबैत छल ! कतेको ठिकेदार कतेको महाजन सभ हुनक दालानपर बैसल रहैत छलनि !

एक बेर मुसहरबा भाइ सेहो अपन विवाहक लेल मुसाय बाबासँ बीस (२०)गो टका लेने छल ! मुसहरबा भाइ बाबाक खास नोकर छलाह तs ओकरा मुसाय बाबा कहलखिन हे मुसहरबा भाइ हम जे तोरा २०गो टका देलियो से हमरा कहिया देबह? मुसहरबा भाइ बाबासँ कहलकनि जे मालिक हम तँ बीस गो टका सुईद (व्याजक) साथ दऽ देने छी ! अहि बातपर दुनू आदमीकेँ आपसमे बहस चलय लगलनि, बहुत हद तक झगड़ा आगू बढ़ि गेल ! ताबे मे किम्हरोसँ कारी बाबु एलथि। कहलखिन- " यौ। अहाँ दुनू आदमीक आपसमे किएक झगड़ा भs रहल अछि "!मुसाय बाबा सभ बात कारी बाबुकेँ कहलखिन आर मुसहरबा भाइ सेहो सभ बात कारी बाबुकेँ सुनेलखिन्ह ! तखन कारी बाबु कहलखिन- " हे मुसहरबा भाइ । अहाँ हिनका कखन - कखन आर कोना पाइ देलियनि से हमरा कहू ........मुसहरबा भाइ बजलाह - "

सुनू कारी बाबु, आ मुसाय बाबू --- अहूँ ध्यान राखब हमर कतय गलती अछि ?
हमरा लग अपनेक टका छल बीस (२०)
आहाँ आँखी गुरारीकेँ तकलहुँ हमरा दिसएक टका तखने देलहुँ .........

टका बचल उनैस (१९)
अहाँ कहलहुँ अही ठाम बैसएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल अठारह (१८)
आहाँ लागलहुँ हमरा जोर सँ धखारहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल सतरह (१७)
आहाँ लागलहुँ हमरा जखन तखन तंग करहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल सोलह (१६)
आहाँ लागलहुँ हमर पोल खोलहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल पंद्रह (१५)
आहाँ लागलहुँ हमरा टांग गरैरकऽ पकरहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल चौदह (१४)
आहाँ लागलहुँ हमरा घर पर पहुँचहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल तेरह (१३)
आहाँ लागलहुँ हमर रस्ता घेरहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल बारह (१२)
आहाँ लागलहुँ हमरा लाठीसँ मारहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल एगारह (११)
आहाँ लागलो हमर कुर्ता फारहएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल दस (१०)
अहाँ कहलहुँ हमरा जमीन पर बसएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल नौउह (९)
आहाँ कहलहुँ हमरा ओहिठाम नोकर बनिरहएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल आठ (८)
आहाँ घोरैत छलहुँ खाटएक टका तखने देलहुँ ....

टका बचल सात (७)
आहाँ खाइत छलहुँ नून भातएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल छः (६)
आहाँ उपारैत छलहुँ जौएक टका तखने देलहुँ ....

टका बचल पॉँच (५)
आहाँ देखैत छलहुँ चौकी तोर नाचएक टका तखने देलहुँ......

टका बचल चारि (४)
आहाँक सभ भाई मे बाझल मारिएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल तीन (३)
आहाँ सभ भाई भेलहुँ भीनएक टका तखने देलहुँ .....

टका बचल दू (२)
आहाँ कहलहुँ महादेवक पिड़ी छूएक टका तखने देलहुँ ......

टका बचल एक (१)
आहाँ के बाबूजीक बरखी मे दक्षिणा देलएक टका तखने देलहुँ ......

बाँकी के बचल सुईद आर व्याज
ओहिमे देलहुँ ढाई मोन प्याज ॥"


जय मैथिल , जय मिथिला धाम ,

याद राखु बस अप्पन गाम



मदन कुमार ठाकुर,
कोठिया पट्टीटोला,
झंझारपुर (मधुबनी)
बिहार - ८४७४०४,
मोबाईल +919312460150 ,

गुरुवार, 1 अप्रैल 2010

समय-सालक नव अंक बजार मे

1. कार्टून बाला साहेबक-मन्त्रेश्वर झा
2. के अछि कृषकक मर्मांतक पीड़ा देखनिहार(संपादकीय)
3. किछु जानल किछु सोचल(विभिन्न खबरि पर रिपोर्ट)
4. शहरी सुख सं वंचित किसान-महाकान्त मंडल
5. कांग्रेसक विरूद्ध विपक्षक अभाव-मधुकान्त झा
6. मिथिलांचल राज्य चाही-
7. अम्बेदकर सत्य आ सपना-जयराम यादव
8. मिथिला आ मैथिली-राजनन्दन लाल दास
9. सराप(लघुकथा)-रानी झा
10. अबंड जकां बौआइत(कविता)-डॉ. वीरेन्द्र मल्लिक
11. ग़ज़ल-विजयनाथ झा
12. सवाल जागल अछि(कविता)-मधुकान्त झा
13. एहेन त भेल अछि(कविता)-अंशुमान सत्यकेतु
14. पराकाष्ठा(कथा)-भक्तीश्वर झा सारथी
15. सरकार दर्शन- राजशेखर
16. फगुआ में माछ?किन्नहु नहि !-शिवकुमार नीरव
17. स्वर्गक चुनावी दंगल-ज्योतीरीश्वर झा
18. श्रेष्ठतम मैथिली साहित्यकार-अरविन्द कुमार सिंह झा
19. मैथिली भाषाक विकासक बाधक तत्त्व-डॉ. वीरेन्द्र झा
20. जीवन प्रेमीक देह यात्रा थिक-लतिका

पत्रिका प्राप्ति सम्पर्कः 9899891808

प्रस्तुतकर्ताक ब्लॉगः सा विद्या या विमुक्तये


शुक्रवार, 5 मार्च 2010

मिथिला दर्शन केर मार्च-अप्रील अंक बजार मे

मिथिला दर्शनक नव अंक बजार मे उपलब्ध अछि। एहि अंकक सामग्री पर एक दृष्टिः
1. मानवमुखी विज्ञान(संपादकीय)
2. आखर लेख(एकल नागरिकताक परिप्रेक्ष्य मे भूमिपुत्रवाद पर कार्यकारी संपादकक टिप्पणी)
3. हमरो चाही अप्पन राज्य(मिथिला राज्यक मांग पर जीवकांत,धनाकर ठाकुर,आशीष झा आ विभूति आनंदजी केर टिप्पणी)
4. वैश्विक मंदी,मूल्य वृद्धि आ हम सब-नरेंद्र झा
5. ब्रह्मांड-विमर्श(महाप्रयोगक संदर्भ मे): योगेंद्र पाठक वियोगी
6. जीन परिवर्द्धित भांटा कतेक उपयोगी-विद्यानाथ झा
7. नेपालक डायरी-रामभरोस कापड़ि भ्रमर
8. एकटा बड्ड पुरान गप्प-लिली रे केर उपन्यासक अगिला अंश
9. हमर धरोहर(डॉ. लक्ष्मण झाक 1956 केर व्याख्यान)
10. पैंतालीस मिनट(कथा)-नीता झा
11. जुट्टीवाली देवी(कथा)-ऋषि वशिष्ठ
12. खसैत देवाल(कथा)-कुमार मनोज कश्यप
13. निबंध-कथाःमिथिलेश कुमार झा
14. विवेकानंद ठाकुर, कुमार मनीष अरविन्द,रामपुनीत ठाकुर तरुण, उदय नाथ झा अशोक आ डॉ. ब्रज किशोर वर्मा केर कविता
15. भाषा-टीकाक बहन्ने(विभूति आनंदक पोथी केर समीक्षा)- परमानन्द प्रभाकर
16. बाल-अपराधःकारण आ निराकरण-पन्ना झा
17. रूप-चर्चा
18. भनसा-भातः वीणा झा
19. आधुनिक जीवनक उपसर्गःरीढक दर्द-डॉ. अरविन्द कुमार चौधरी
20. ठंढ आ सर्दी-डॉ. उमाशंकर चौधरी
21. गोनू झा बनाम बंगटा
22. वर्ग पहेली-3
23. नेपाल मे आधुनिक मैथिली नाटकःमोजर देबाक प्रतीक्षा मे-रामभरोस कापड़ि भ्रमर
24. प्रबोध साहित्य सम्मान आ मिथिला सं जुड़ल आन गतिविधि सभ पर संक्षिप्त रिपोर्ट

पत्रिका प्राप्ति सूचनाः09709716464 आ 09811406106


प्रस्तुतकर्ता द्वारा संचालित भाषा,शिक्षा आ रोज़गार विषयक ब्लॉग: www.maithilionline.blogspot.com

रविवार, 14 फ़रवरी 2010

मिथिलांगनक नव अंकक स्वागत करू

दिल्ली सं प्रकाशित मैथिली त्रैमासिक मिथिलांगन केर नव अंक(अक्टूबर,2009-मार्च,2010) उपलब्ध भ गेल अछि। एहि अंकक सामग्री पर एक दृष्टिः

1. दिव्यताक बीज- अर्जुन नारायण चौधरी

2. चर-चित्त(हालक प्रमुख घटनाक्रम आधारित स्तंभ)- गोविन्द चंद्र दास

3. कोसी केर क्रोधक के दोसी(आवरण आलेख)-गोविंद चन्द्र दास

4. शिवताडव स्तोत्र केर मैथिली अनुवाद-उमाचरण कंठ

5. नेपाल अछि जे मैथिली कें बचेने अछि(आचार्य सोमदेव जीक संग वृहद् साक्षात्कार)

6. वृद्ध चिंतन(कविता)- सोमदेव

7. कथा में लीन(कथा)-मानेश्वर मनुज

8. नीन्द में भेल बियाह(घोघ तर सं स्तम्भ में रूपा साहा केर अनुभव)

9. सामिष-निरामिष सूप-सरिता दास

10. गोदना पेंटिंगःदलित आ महिला कल्याणक उदाहरण-रवीन्द्र कुमार दास

11.संवाद परिक्रमा-साहित्य-संस्कृति आधारित कार्यक्रम सभहक संक्षिप्त रिपोर्ट

12. काकी के उछन्नर(वास्तविक घटना आधारित आलेख)-अनिता दास

13. हंसी-ठट्ठाःसर्वनारायण दास

14. तुरंता(कविता)-रवीन्द्र सुमन

15. दू शिक्षाप्रद बाल-कहानी-शालिनी कर्ण

16. रूसी लोकनिक भारत प्रेम-इंदू दास

17. अवाम(गामक परिचय)-मुकेश दत्त

18. पानिक लेल मुंह बौने जमीन-उदय राज

19. अभिनंदन(श्री कौशल कुमार दास के मिथिला विभूति सम्मान आ डॉ. जनक किशोर लाल दासक पोथीक विमोचन संबंधी रिपोर्ट)

20. घर आ कि बंदूक(मुसहर जाति द्वारा बंदूक वरण करबाक खबरि पर विचार आमंत्रण)। पछिला अंकक विषय प्राथमिक शिक्षा व्यवस्थाक बचकानी जीर्णोद्धार पर प्राप्त विचार सेहो।

21. मिथिला दर्शन मैथिली बुझौअलि

22. दिल्ली में मणिपद्म स्मृति-पर्व-डॉ. जनक किशोर लाल दास

23.सामा चकेबा नाटक पर श्यामभद्र केर रिपोर्ट

24. राजधानी में मैथिली रंगमंच कें स्थापित करबाक स्वप्न साकार भ रहल अछि(संजय चौधरी सं श्यामभद्र केर साक्षात्कार)

25. चांदनी चौकक चासनी-रवीन्द्र लाल दास

(पत्रिका प्राप्ति लेल संपर्कः9868182535)
http://www.filmcrossword.blogspot.com/ (फिल्म विषयक ब्लॉग)

शनिवार, 16 जनवरी 2010

मैथिलीक एक गोट आओर पत्रिका- नवारम्भ बजार में

पटना सं अजित कुमार आजाद जी केर संपादन में प्रकाशित एहि द्विमासिक पत्रिकाक प्रवेशांक केर सामग्री पर एक दृष्टिः-
1. समस्याक टाल पर मिथिला(संपादकीय)
2. ससरैत संस्कृति- प्रेमचंद मिश्र
3. प्रो. मायानंद मिश्रक निबन्ध साहित्य-डॉ. योगानंद झा
4. पाश्चात्य साहित्य आ हरिमोहन झाक व्यंग्य- विनोद कुमार झा
5. जीवकान्तःमैथिलीक वर्ड्सवर्थ- डॉ. धनाकर ठाकुर
6. भाषाक सुखाइत विरासत- पंचानन मिश्र
7. एक बेर फेर फेकू जाल महाराज जी(कथा)-विभा रानी
8. सतिया(कथा)- डॉ. अरविन्द अक्कू
9. धूमकेतु,डॉ. इन्द्रकांत झा,रामलोचन ठाकुर,शंभु नाथ ठाकुर, मेनका मल्लिक,अनमोल झा,रघुनाथ मुखिया, सच्चिदानंद सौरभ,अरविंद सोनू,योषितानंद लाल दास गोविन्द आ रामसेवक ठाकुरक कविता
10. महिला सशक्तिकरणःभारतीय संदर्भ-सुशीला झा
11. बोर्ड परीक्षाःशिक्षा पर राजनीति-कमल मोहन चुन्नू
12. सीताकुण्ड में पिण्डदान-नारायणजी
13. निराशोर्निर्ममो भूत्वा-त्रिलोकीबाबू त्रिकालज्ञ
14. जीवन जीबाक कला सिखबैछ रंगमंच-कुमार गगन
15. बाढ़िक विरुद्ध डमरुक तुमुलनाद-किसलय कृष्ण
16. बाबा विद्यापतिक नाम पर (प्रतिनिधिक रिपोर्ट)
17. फिल्मी परदा पर विद्यापतिक अवतरण-किसलय कृष्ण
18. अगिला बेर ओसामा-रासीमा चौधरी
19. कृष्णमोहन झाक पोथी एकटा हेरायल दुनियाक समीक्षा-मानेश्वर मनुज
20. मैथिलीक बेछप आंचलिक उपन्यास महाकल्प-डॉ. इन्द्रकांत झा
21. बानर महासभा(व्यंग्य)-बैद्यनाथ विमल
22. सम्मानित लोकनिकें बधाई

मैथिलीक एक गोट आओर पत्रिका- नवारम्भ बजार में

प्रवेशांक केर सामग्री पर एक दृष्टिः-
1. समस्याक टाल पर मिथिला(संपादकीय)
2. ससरैत संस्कृति- प्रेमचंद मिश्र
3. प्रो. मायानंद मिश्रक निबन्ध साहित्य-डॉ. योगानंद झा
4. पाश्चात्य साहित्य आ हरिमोहन झाक व्यंग्य- विनोद कुमार झा
5. जीवकान्तःमैथिलीक वर्ड्सवर्थ- डॉ. धनाकर ठाकुर
6. भाषाक सुखाइत विरासत- पंचानन मिश्र
7. एक बेर फेर फेकू जाल महाराज जी(कथा)-विभा रानी
8. सतिया(कथा)- डॉ. अरविन्द अक्कू
9. धूमकेतु,डॉ. इन्द्रकांत झा,रामलोचन ठाकुर,शंभु नाथ ठाकुर, मेनका मल्लिक,अनमोल झा,रघुनाथ मुखिया, सच्चिदानंद सौरभ,अरविंद सोनू,योषितानंद लाल दास गोविन्द,रामसेवक ठाकुरक कविता
10. महिला सशक्तिकरणःभारतीय संदर्भ-सुशीला झा
11. बोर्ड परीक्षाःशिक्षा पर राजनीति-कमल मोहन चुन्नू
12. सीताकुण्ड में पिण्डदान-नारायणजी
13. निराशोर्निर्ममो भूत्वा-त्रिलोकीबाबू त्रिकालज्ञ
14. जीवन जीबाक कला सिखबैछ रंगमंच-कुमार गगन
15. बाढ़िक विरुद्ध डमरुक तुमुलनाद-किसलय कृष्ण
16. बाबा विद्यापतिक नाम पर (प्रतिनिधिक रिपोर्ट)
17. फिल्मी परदा पर विद्यापतिक अवतरण-किसलय कृष्ण
18. अगिला बेर ओसामा-रासीमा चौधरी
19. कृष्णमोहन झाक पोथी एकटा हेरायल दुनियाक समीक्षा-मानेश्वर मनुज
20. मैथिलीक बेछप आंचलिक उपन्यास महाकल्प-डॉ. इन्द्रकांत झा
21. बानर महासभा(व्यंग्य)-बैद्यनाथ विमल
22. सम्मानित लोकनिकें बधाई