(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

चन्दन झा (Radhe) लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
चन्दन झा (Radhe) लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

सोमवार, 6 फ़रवरी 2012

हर-हर-खट-खट! फुसियांही के मेल! :-)

हर-हर-खट-खट! फुसियांही के मेल! ;)

बात हर्ख के ओ होयत जे अपन मूल सँ निकलत!
अपन संस्कृतिके ऊपर दुनिया के जे प्रेरित करत!
ओ कि जे बस देखादेखी दोसरक नंगटइ सिखलहुँ!
नारीके मर्यादा के बाजार में आम निलामी कयलहुँ!

एहनो नहि जे आधुनिकता के धार में नहि छै बहब!
कोना आइ इन्टरनेट के माध्यम बात कहलहुँ कहब!
अक्सर बेसीकाल मिथिला राज्य बिहार सँ अलगै छै!
तेलांगाना आ छत्तीसगढक तर्ज पर उतारय नकल छै!

देखियौ छुद्र राजनीति - इतिहासे के नोंचत आ पटकत!
अपना दम पर एको कोनियां काउनो नहि आबै फटकत!
बड़का बोली दम्भ सऽ भरल ब्राह्मण के छै झाड़ैत-मारैत!
ई जनितो जे मिथिला सदिखन ब्राह्मणहि हाथे झबरत!

कतबू करतै राजनीति कि चलतै एहि धरती पर ओकर!
एहि धरतीपर एकहि गप छै धर्म के सार हरदम ऊपर!
ई थीक तांत्रिक मिथिला भूमि एहिठाम उपजय विदेह!
याज्ञवल्क्य आ बाल्मीकि सम्‌ त्यागी-तपी निःसंदेह!

नाम उच्च आ कान बुच्च के तर्ज पर खाली चमचम!
पाउडर फाड़ि बनाबय दही तहि पर भोजक कोन दम!
पोखैर गाछी सभटा बिकेलैय आब कि बचलौ डीह टा!
ताहू पर छौ नजैर गड़ल रे हरासंख कोढिया जैनपिट्टा!

सम्हर-सम्हर कर सत्यक लेखा जुनि जोखे झूठे ढेपा!
तौल-बनियां-तौल-भैर राति तों तौल ले अगिलो खेपा!
जातिवादी नारा के बल सऽ किछु नहि हेतौ रे मूढकूप!
आइयो दुनियाँ सीतारामके प्रतापे भजि ले वैह सुरभूप!

हरिः हरः!
रचना:-
प्रवीन नारायण चौधरी

रविवार, 5 फ़रवरी 2012

माछ आ मिथिला




माछ, माछ, माछ! मिथिलाके माछो महान्‌!
मिथिला महान्‌ - मिथिला महिमा महान्‌,
माछो महान्‌ - मखान आ पानो महान्‌,
माछ..माछ..माछ! मिथिलाके माछो महान्‌!

इचना के झोरमें ललका मेर्चाइ,
मारा के झोरमें सुरसुर मेर्चाइ,
चाहे जलखैय या हो खाना... होऽऽऽ!
छूटबैय सर्दी जहान! :)
माछ, माछ, माछ...
मिथिलाके माछो महान्‌!

गैंचाके काँटो बीचहि टा में,
नेनी के काँटो सगरो पसरल,
सदिखन काँटो कऽ के निकालय... होऽऽऽ!
स्वादमें सभटा महान!
माछ, माछ, माछ,
मिथिलाके माछो महान्‌!

आउ चलू देखी पोखैर में मच्छड़...
आइ निकलतै भून्नो के पच्चड़...
रौह, भाकुर, नेनी कऽ के पूछतैय... होऽऽऽ...
महाजाल फंसतय सभ माछ...
माछ..माछ.. माछ..
मिथिलाके माछो महान्‌!

बंसीमें देखू पोठी बरसय,
गरचुन्नी आ सरबचबा फंसय,
बड़का बंसीमें आँटाके बोर यौ... होऽऽ
से फंसबैय रौह माछ,
माछ..माछ..माछ...
मिथिलाके माछो महान्‌!

जतय माछ होइ लोक ततय हुलकल
माछ हाट के रूप रहय लहकल
एम्हर तौलह ओम्हर तौलह ... होऽऽऽ
सरिसो रैंची संग जान...
माछ, माछ, माछ,
मिथिलाके माछो महान्‌!

मिथिलाके पोखैर कादो भोजन
ताहि माछो के सुधरल जीवन
खायवाला सभ पेटहि पाछू ... होऽऽऽऽ
काजक बेर उड़य प्राण...
माछ, माछ, माछ...
मिथिलाके माछो महान्‌!

सुरसुर काका के माछक मुड़ा...
प्रभुजी काका के पेटीके हुड़ा...
सभमिलि बैसल चूसि-चूसि मारैथ होऽऽ
सगरो माछ के मजान...
माछ, माछ, माछ...
मिथिलाके माछो महान्‌!

प्रयागमें छैक मैथिल पंडा
सभ के अपन-अपन धंधा
पहिचान वास्ते होइछै जे झंडा... होऽऽ
ताहू में छै मिथिला माछ...
माछ, माछ, माछ,
मिथिलाके माछो महान्‌!

गोलही काँटी छही आ सुहा
सिंघी मांगूर बामी टेंगरा
जानि हेरायल कतय ई मिथिला.. होऽऽ
आन्ध्रा के भेलय तूफान...
माछ, माछ, माछ...
मिथिलाके माछो महान्‌!

हरिः हरः!
रचना:-
प्रवीन नारायण चौधरी

गुरुवार, 2 फ़रवरी 2012

माथ झुकेने बाप ठाड़्ह छथि बेवश आ लाचार...

माथ झुकेने बाप ठाड़्ह छथि बेवश आ लाचार
माँगि रहल अछि बेटीके ससूर होण्डा सिटी कार
नगद सेहो देब संगहि ओकर देब अहाँ जेवरात
लऽ जायब नहि तऽ वापस अपनेक घरसँ बरियात!

पिता कहै छथि सुनू समधीजी, बुझू हमर हालात
सुन्दर अछि बेटी हमर, सुन्दर ओकर खयालात
घरके स्वर्ग बना के राखत खूब करत ओ सेवा
घरमें लक्ष्मी सदिखन बसती धन के भेटत मेवा!

गृहस्थीके समान में देब छै जै सब चीजक दरकार
नहि दय सकबै अपनेकेँ एखन होण्डा सिटी कार!

ससूर कहै छथि बियाहे तखन करब अछि बेकार
हमरा चाही हर हालतमें बियाह में एकटा कार!

तखनहि अन्दर सँ बेटी अपन बाप सँ कहय लगली
नहि भरियौ पूज्य पिताजी एहि भिखारी के झोली!
कतेक देबैक कहिया देबैक इ छथि भिखारी पक्के
दैत-दैत हाइरियो जायब एक दिन अहुँ थाइक के!
नहि करबैक बियाह एतय बरु करबै पूरा पढाई
कतेको लड़की जे पैढ के किस्मत अपन बनौली!
ठाड़्ह होयब पैरो पर अप्पन तखनहि करबै बियाह!
बिना बनल आत्मनिर्भर बियाह करब माने बर्बाद!

"दहेज़ मुक्त के लेल एक टा छोट कोसीसी
दहेज़ मुक्त मिथिला परिवार"
चन्दन झा "राधे"

बुधवार, 1 फ़रवरी 2012

गाबैत रही सदिखन एकेटा गुणगान,

गाबैत रही सदिखन एकेटा गुणगान,
हमर पुरखा बड महान,हमर पुरखा बड महान,हमर पुरखा बड महान......
पुरखा छला एहन ओहन, हम छि निठला,
ओ अरजला बाबन बीघा, भले हम बेलला,
पान तमाकुल भेटिया ने, बचई छि खेत खर्हियान,
हुनके हम बंसज छि, नामी छल हमर खानदान,
हमर पुरखा बड महान......३
खान पान हुनकर छल, तरुवा बगारुवा,
तिमन तरकारी छल, अरुवा खम्हरुवा,
हम खाई छि चिकन अंडा, कहियो काल मदिरा-पान,
लोक भले किछो कहै, हमर अईछ अपन शान,
हमर पुरखा बड महान.....३
धोती आ कुरता पर, बंडी आ दोप्ता छल,
माथ जखन पाग चढ़ाई, भेटजाई दुगुना बल,
हम लुंगी धारी छि, आ गपि नै हमर समान,
हमरा स लगाब त, हरि लेब हम आहाक प्राण,
हमर पुरखा बड महान......३
रचना:-
पंकज झा

शनिवार, 3 दिसंबर 2011

----------------गीत------------------

आँखिमे चित्र हो मैथिलि केर,हृदयमे हो माटिक ममता
माएक सेवामे जीवन बितादी, अछि बस इएह एकता सिहन्ता!
अछि करेजाक टुकड़ी हमर ई तिरंगा
धमनीमें हिमालय आ शोणितमें गंगा
अछि हमर ऐस्वर्यक कोनो चाह नै
बाट चलिते विपत्तिक परवाह नै
हम टूटी जा सकैछी, हम झुकी ने सकब
तुफनोक भय सँ हम रुकी ने सकब
हमर संग-संग बहय उनचासो पवन
बंधी देने छि तें माथमे हम कफ़न
हम रही ने रही ई तिरंगा रहय
फेर वनबास ने होइन्ह रामक, फेर जंगलमे कानथी ने सीता
माएक सेवामे जीवन बितादी, अछि बस इएह एकटा सिहन्ता !
.कल्पनामे करोडों नदी आ नहरि
भावनामे हो लाखो समुन्द्रक लहरी
चिंतनमें उठैत अछि तेहने लहास
जेना हाथ होथि ओरने भगत आ सुभाष
माटी चमकैए माथपर जन्मभूमि केर
हमर कर्मभूमि केर, हमर धर्मभूमि केर
जतs खल -खल जनकिक आँगन हंसय
आ चकमक सावित्रिक कंगन करय
विण अपनही बजैब हम भारतीक मित्र
मरितो दम तक सजाएब हम मैथिलिक चित्र
गीतमे राखी क्रांतिक ज्वाला, सरगममें विजय केर भनिता
माएक सेवो जीवन बितादी, अछि बस इएह एकटा सिहन्ता!


सोमवार, 28 नवंबर 2011

----------गीत----------





की हिन्दू आ की मुसलमान
एके शोणित, एके परान
मिथिलाक माटी पर रहनिहार
बस, एक बात हम मानै छि !

मंदिर पूजा, मस्जिद पूजी
प्रार्थना करी आ नमाज पढ़ी
गीता पढ़ी ली आ कुरान पढ़ी
अल्लाह कही, सियाराम कही
पोथी अनेक अछि सूत्र एक
बस, एक मन्त्र हम जाने छि
हम मिथिला केर छि, मैथिल छि!

सभकें भेटइ रोजी-रोटी
आ सभहक वाणी कें आदर
सभहक चलबा ले बाट रहय
नहीं बाट रहय एत्ते पातर
हम सभ सिनेह केर भूखल छि
हम एतबही सभदिन माँगै छि
हम मिथिला केर छि, मैथिल छि!

हम मैथिल छि,हम भारत केर
भारतक करेजा केर टुकड़ी
देसक माला केर एक फूल
ई बात ने कहियो हम बिसरी
आजादी दशक, प्राण हमर
से सभ दिन सँ हम मानै छि
हम मिथिला केर छि, मैथिल छि!

-------निर्वासन-----

कत' रहब
आ कोना रहब
धरती-गगन
आकी चान पर रहब?

जंगलक झोंझ!
पहाड़क खोह!!
वसुन्धराक सोन्हि!!!
आकी समुन्द्रक लहरी में रहब?

सगरो सँ खेहारल जाएब
लुक्का सँ झरकाओल जाएब
बिढनी सँ बिन्हाओल जाएब
फत्रा में बझाओल जाएब
पिजरा में बैसाओल जाएब

पूछबै से किएक यौ भाई?
तं अहींक डीह-डाबराक
बीत भरी जमीन
हडपी लेबक लेल
वा आड़ी काटी-कटी
डसैत रहबाक लेल
दसो दिगंत में
दियाद-बाद बनिक'
ठाढ़ रहत दुर्योधन!

शुक्रवार, 25 नवंबर 2011

-----कनियाँ बनाम बाबा-----


ओ अपन अथबल मायक कोढ़
आ आन्हर बापक करेज बेचिक'
बेसाह' चाहैत अछि
सनकल कनियाँक लेल
एक रत्ती मुस्की!

तें पितामहक पिताहम केर किनल
माटिक तर में गाडल
संचित पितारिया तमघैल
बेचिक' कीन' चाहैत अछि
अपन 'मैरिज डे' पर
कनियाँ के देबाक लेल उपहार
लाइफ टाइम सिम आ मोबाइल

आ ओम्हर खाट पर पड़ल
खोखिआइत वृध्द्र पितामह
ओहि तमघैल कें बन्हकी राखि
किन लेब' चाहैत छथि
एक डिब्बा च्यवनप्राश
आ' काटि लेब' चाहैत छथि
हाड़ कंपबैत
एही बेरुक जाड़!

---------------गजल---------------

हमर आँखीमें अछि, नोर भरि गामक
हमर आँखीमें अछि , मोर भरि गामक!

हमर आँखीमें कतेक रौदी आ दाही
हमर आँखीमें अछि,चोर भरि गामक !

हमर आँखीमें हमर पाग आ मुरेठा
हमर आँखीमें अछि,जोर भरि गामक !

हमर आँखीमें अछि, बेगरताक अन्हड़
हमर आँखीमें अछि,सोर भरि गमक !

हमर आँखीमें अछि रहरी बाबक गाछी
हमर आँखीमें अछि, नोर भरि गमक!

मंगलवार, 22 नवंबर 2011

------------------गजल---------------

चारिटा दोकान चाहक, हमर गामक चौक पर
भीड़ भरी मेल लोकक, हमर गामक चौक पर!

की मोहालीमे भेलै आ की श्रीलंकोमे भेलै
लोक डफा लए नाचैए, हमर गामक चौक पर!

हमर गामक लोक कें बुझल ने छै हालो अपन
टूटी गेलए इसकुल गामक, हमर गामक चौक पर !
हमर गामक लोक कें की भ' गलें, सोचै छि हम
खुजी गेलए दारुक भट्टी,
हमर गामक चौक पर!

चल गेल बसुदेवजी रामायणाक पद बाँची क'
आब महाभारत मचेए, हमर गामक चौक पर !

शनिवार, 19 नवंबर 2011

भूख:-


भूख कतमे पड़ल
छाओ मासक नेनाके
भूखसँ बेहाल पथियामे राखल आम दिस लपकैत देखि
कात करैत ओकर माय कहै अछि -

पियास लागल छह?
आनि देत छियह
चापाकल सऽ ठंढा पानि
भरि मोन पीबी लिहs
आ पिब हमहूँ
शान्त करब अपन लहरित पटकें
आ तोहर सेहो!

एक आमक दाम
बुझल छह तोरा?
नहि ने!
मात्र पाँच टाका आ महाजन सुदी
एक संझाक खोराक
आधा सेर मोटका चाऊरक दाम
चलह बना देत छियs मरसटका
ओहिमे तकियs बेटा!
मालदह आमक स्वाद!


गुरुवार, 10 नवंबर 2011

बाँटि चुटि खाइ/ मिथिला-मैथिलीक साइट

बाटी-चुटी खाई
राजा घर जाई
बाबाक इ मन्त्र अछि
सिखाबै छथि दाई //

घर अच्छी डर कथी
घी चाही छाल्ही माथि
सोचैक अछि सभकें
प्रेम ठीक दबाई //
.
संगे छि सभ एक
भेद- भाव दियोऊ फेक
शिक्षक ई अर्थ अछि
स्नेहक महगाई //


मोनमे इजोत अछि
मामी घर नोत अछि
मामा छथी चान सन
हशी-ख़ुशी जाई //

गामकैए फूल सन
बौआक मन सोन सन
माँ-बाबुक त्यागके
मोन राखी भाई //


मैथिली आ मिथिलासँ संबंधित किछु मुख्य साइट:- आन लिंकक विषयमे सूचना ggajendra@videha.com केँ ई मेलसँ पठाबी।

http://www.videha.co.in/ ("विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका)
http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ मैथिलीक पहिल ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर, ५ जुलाइ २००४)
http://www.videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ मैथिलीक पहिल ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर, ५ जुलाइ २००४)
http://videha-aggregator.blogspot.com/ (मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://prakarantar.blogspot.com/ (प्रकारांतर मैथिलीक लोकप्रिय ब्लॉग, फरबरी २००५)
http://vidyapati.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग, अगस्त २००५)
http://www.vidyapati.org/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग, अगस्त २००५)
http://hellomithila.blogspot.com/  (हेलो मिथिला- धीरेन्द्र प्रेमर्षि, सम्पादक-प्रकाशक, रूपा झा, सम्पादन सहयोग, पल्लव, मैथिली साहित्यिक, ३ मइ २००६)
http://pallav.blogsome.com/  (हेलो मिथिला- धीरेन्द्र प्रेमर्षि, सम्पादक-प्रकाशक, रूपा झा, सम्पादन सहयोग, पल्लव, मैथिली साहित्यिक,  १७ मइ २००६)
http://premarshi.wordpress.com/ (धीरेन्द्र प्रेमर्षि,)
http://brikhesh.blogspot.com/ (बृषेश चन्द्र लाल)
http://www.chetnasamiti.org/ (चेतना समिति, पटनाक वेबसाइट)
http://bramhanews.blogspot.com/ (मैथिली समाचार)
http://www.mithilakhabar.com/ (नेपालक मैथिली ई पत्रिका)
http://esamaad.blogspot.com/ (पूनम मंडल आ प्रियंका झाक पहिल मैथिली न्यूज पोर्टल, ९ अगस्त २००४ सँ)
http://hellomithilaa.blogspot.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, सितम्बर २००७)
http://www.hellomithilaa.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, सितम्बर २००७)
http://www.maithilinews.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://www.hamargam.in/ (मैथिली न्यूज पोर्टल)
http://mithiladotcom.blogspot.com/ (मैथिली राष्ट्रीय दैनिक)
http://mithilasamad.blogspot.com/ (मिथिला समाद, मैथिली दैनिक)
http://janakpurnews.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://shampadak.wordpress.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, जनवरी-फरबरी २००८)
http://www.esamaad.com/  (मैथिली न्यूज पोर्टल, जनवरी-फरबरी २००८)
http://www.mithilalok.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल)
http://maithili-darpan.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithilatol.blogspot.com (मिथिलाटोल मैथिलीक लोकप्रिय ब्लॉग)
http://maithilicinema.blogspot.com/ (मैथिली फिल्म्स)
http://maithilifilms.blogspot.com/ (मैथिली फिल्म्स)
http://maithili-drama.blogspot.com/ (विदेह मैथिली नाट्य उत्सव- बेचन ठाकुरक ब्लॉग)
http://mjnk.co.cc/ (ई जनकपुर न्यूज़, तराई मॉडल, मिथिला इन्फोर्मेशन)
http://www.TeraiNepal.co.cc/  (तराई नेपाल मिथिला जनकपुर मधेश हालचाल Anytime Anywhere see)
http://maithilaurmithila.blogspot.com/ (मैथिल आ  मिथिला लोकप्रिय ब्लॉग)
http://www.mithilaamanch.blogspot.com (मिथिला मंच)
http://maithilisong.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक ब्लॉग)
http://maithilifoundation.blogspot.com/ (मैथिली फाउन्डेशन)
http://maithilibhasha.blogspot.com/ (काश्यप कमलक ब्लॉग)
http://rkjteoth.blogspot.com/ (रूपेश कुमार झा "त्योंथ"क ब्लॉग)
http://paraati.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://singarhaar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://anchinharakharkolkata.blogspot.com/  (मैथिलीक लोकप्रिय गजलक ब्लॉग)
http://vaachik.wordpress.com/  (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithilainfo.blogspot.com (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithlasamachaar.blogspot.com  (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://pilakhwar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://desilbayna.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://maithilynjha.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://gaam-ghar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithila-mihir.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://www.videha.com/ (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ लोकप्रिय ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://www.maithililekhaksangh.com/ (मैथिली लेखक संघक जालस्थल)
http://www.maithili.co.uk/ (मिथिला कल्चरल ऑर्गेनाइजेशन, यू.के.)
http://minapjanakpur.org/  (मिनाप, जनकपुर)
http://www.airdarbhanga.org/  (आकाशवाणी दरभंगाक साइट)
http://mithilangan.org/ (मिथिला‍गनक साइट)
http://www.vmym.in/ (विद्यपति मैथिल युवा मंच)
http://www.tirhutalipi.4t.com/ (देवनागरी-तिरहुता फॉन्ट कन्वर्टर)
http://www.anujha.co.cc/ (यूनीकोड तिरहुता फॉन्ट-मिथिला)
http://www.jaimithila.com/ (मिथिलाक सभ्यता, संस्कृति, विभूति, गीत-संगीत आ बहुत रास जानकारीक लेल)

http://sobhagyamithilatv.com/ (सौभाग्य मिथिला- पहिल मैथिली चैनल)
http://kalikantjhabuch.org/ (काली कांत झा "बूच")
http://saketanands.blogspot.com/ (साकेतानन्दजीक जालवृत्त)
http://gunjang.blogspot.com/ (गुंजनजीक जालवृत्त)
http://darihare.blogspot.com/ (श्याम दरिहरेक जालवृत्त)
http://deoshankarnavin.blogspot.com/ (देवशंकर नवीनक जालवृत्त)
http://www.udayanarayana.com/ (नचिकेताक साइट) 
http://www.indianembassy.org.np/  (भारतीय दूतावास नेपाल)
http://www.purvottarmaithilsamaj.com/ (पूर्वोत्तर मैथिल समाज)
http://www.purvottarmaithil.org/   (मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समितिक त्रैमासिक पत्रिका)
http://dsal.uchicago.edu/lsi/ (Linguistic Survey of India, Gramophone recordings)
http://dsal.uchicago.edu/lsi/taxonomy/term/1718 (Linguistic Survey of India, Gramophone recordings, Maithili)
http://www.biharlokmanch.org/ (मिथिला-मैथिली पोथी ऑनलाइन कीनू)
http://shivpustakbhandar.blogspot.com/  (मैथिली पोथी कीनू)
http://mithila-haat.com/ (Buy Mithila-Maithili books/ other materials online)
http://www.antika-prakashan.com/ (अंतिका प्रकाशनक साइट- मैथिली प्रकाशक)
http://www.shruti-publication.com (श्रुति प्रकाशनक साइट- मैथिली प्रकाशक)
http://www.jyoticonsultant.com/ (मैथिलक नौकरी डॉट कॉम)
http://www.kfm961.com/  (हेल्लो मिथिला कार्यक्रम प्रत्येक शनिकेँ नेपाली समयानुसार राति ९.३० बजेसँ ११ बजेधरि आ राजनीतिक विषयवस्तुपर केन्द्रित चौबटिया कार्यक्रम प्रत्येक सोमकेँ राति १० सँ ११ बजेधरि प्रसारण)
http://www.jumptv.com/en/channel/nepal1/ (नेपाल1 टी.वी.-जम्प टी.वी. मैथिली कार्यक्रम सूचना)
http://janakifm.org.np/ (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडियो)
http://www.mithilaradio.com/ (मैथिली रेडियो)
http://www.youtube.com/user/Janakifm (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडिय Youtube channel)
http://www.radiomithila.org/ (मैथिली रेडियो)
http://www.appanmithila.org/ (रेडियो अप्पन मिथिला ९४.४ MHZ)
http://www.madheshuk.org/ (एसोशिएशन ऑफ नेपाली मधेसीज इन यू.के.)
http://www.mithilaart.com/ (श्रीमति प्रभा झाक साइट)
http://chitthajagat.in/ (देवनागरी लिपिक ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://mailorang.blogspot.com/ (मैलोरंग नाट्य संस्थाक ब्लॉग)
http://mailorang.in/ (मैलोरंग)
http://mithila_samachar.tripod.com/mithilasamachar/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://www.maithili.net(मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.mithilaonline.com(मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.onlinemithila.in/ (मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.swastifoundation.com/  (स्वस्ति फाउन्डेशनक साइट)
http://www.moe.gov.np/ (नेपाल सरकारक साइट)
http://gov.bih.nic.in(बिहार सरकारक साइट)
http://www.esabha.net/ (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.maithilvivah.com/ (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.kanyadan.net/  (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.mithilashaadi.com/  (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.nationallibrary.gov.in/ (नेशनल लाइब्रेरी कोलकाता)

http://dpl.gov.in/ (दिल्ली पब्लिक लाइब्रेरी)

http://www.connemarapubliclibrarychennai.com/ (कोनेमारा पब्लिक लाइब्रेरी)
http://rrrlf.nic.in/ (राजा राम मोहन राय लाइब्रेरी फाउंडेशन)
http://www.sahitya-akademi.gov.in/(साहित्य अकादमीक साइट)
http://www.nbtindia.org.in/ (नेशनल बुक ट्रस्टक साइट)
http://www.ciil.org/ (भारतीय भाषा संस्थानक साइट)
http://www.ntm.org.in/languages/maithili/default_maithili.asp (राष्ट्रीय अनुवाद मिशन)
http://jnanpith.net/ (भारतीय ज्ञानपीठक साइट)
http://bparishad.in/  (भारतीय भाषा परिषद, कोलकाताक साइट)
http://www.bharatiyabhashaparishad.com/   (भारतीय भाषा परिषद, कोलकाताक वागर्थ)
http://www.themanbookerprize.com/ (मैन-बुकर पुरस्कारक साइट)
http://www.commonwealthfoundation.com/ (कॉमनवेल्थ फाउन्डेशनक साइट)
http://www.crossword.in/ (वोडाफोन-क्रॉसवर्डक साइट)
http://www.pulitzer.org/ (पुलित्जर पुरस्कारक साइट)
http://nobelprize.org/ (नोबेल पुरस्कारक साइट)
http://www.goakonkaniakademi.org/akademi/aims.htm (गोवा कोंकणी अकादमीक साइट)
http://madhubani-art.blogspot.com/ (Maithili Literature in English)

अंतिम पाँचू साइट विकी मैथिली प्रोजेक्टक अछि। एहि लिंक सभ पर जा कय प्रोजेक्टकेँ आगाँ बढ़ाऊ।
किछु नीक यू ट्यूब मैथिली चैनल
http://www.youtube.com/user/Janakifm (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडियो Youtube channel)
http://www.youtube.com/user/Dhipre (धीरेन्द्र प्रेमर्षि)
आ दूटा आर साइट
 
VIDEHA ARCHIVE
For purchase books available in "GOOGLE VIDEHA BOOKS" write to ggajendra@videha.com
 

Search the full text of GOOGLE VIDEHA books
 

"विदेह"क एहि सभ सहयोगी लिंकपर सेहो एक बेर जाऊ। 

६.विदेह मैथिली क्विज  :
http://videhaquiz.blogspot.com/
७.विदेह मैथिली जालवृत्त एग्रीगेटर : 
http://videha-aggregator.blogspot.com/
८.विदेह मैथिली साहित्य अंग्रेजीमे अनूदित
http://madhubani-art.blogspot.com/
९.विदेहक पूर्व-रूप "भालसरिक गाछ"  : 
http://gajendrathakur.blogspot.com/
१०.विदेह इंडेक्स  : 
http://videha123.blogspot.com/
११.विदेह फाइल : 
१२. विदेह: सदेह : पहिल तिरहुता (मिथिला़क्षर) जालवृत्त (ब्लॉग)
१३. विदेह:ब्रेल: मैथिली ब्रेलमे: पहिल बेर विदेह द्वारा

१४.VIDEHA IST MAITHILI  FORTNIGHTLY EJOURNAL ARCHIVE
१५. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका मैथिली पोथीक आर्काइव
१६. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऑडियो आर्काइव
१७. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका वीडियो आर्काइव
१८. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका मिथिला चित्रकला, आधुनिक कला आ चित्रकला
१९. मैथिल आर मिथिला (मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय जालवृत्त)
२०.श्रुति प्रकाशन
Google समूह
VIDEHA केर सदस्यता लिअ
ईमेल :


Subscribe to VIDEHA

.गजेन्द्र ठाकुर इ‍डेक्स
. नेना भुटका
.विदेह रेडियो:मैथिली कथा-कविता आदिक पहिल पोडकास्ट साइट
२६.Videha Radio


२८. विदेह मैथिली नाट्य उत्सव
२९.समदिया
३०. मैथिली फिल्म्स
३१.अनचिन्हार आखर
३२. मैथिली हाइकू
३३. मानक मैथिली
http://manak-maithili.blogspot.com/