(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 17 दिसंबर 2010

प्रिये पाठक

प्रिये पाठक


आदर करैत छी जन - जन सं ,
प्रिये पाठक छी अतिथि हमर
हम निर्भर करैत छी ओही पर ,
जे संतुष्टि लक्ष्य अछि हमर
         आदर करैत छी जन - जन सं ,
         प्रिये पाठक छी अतिथि हमर

मधुर वचन जीवनक श्रेय अछी ,
प्रेम स्नेह जग - संसार में
बोली - वचन सुख सँ सम्रिध्ह ,
आत्मरक्षा के अधिकार में
       आदर करैत छी जन - जन सं ,
       प्रिये पाठक छी अतिथि हमर

फुरसैतक कमी सब के संग अछी ,
बेश्त आई ई संसार अछी
मिथिय्या जिनगी छोरी चलल ,
आस्तित्व रहस्य ई अधिकार में
       आदर करैत छी जन - जन सं ,
       प्रिये पाठक छी अतिथि हमर

होर परस्पर आई लागल ,
आगू बढाइये के प्यास जागल
अप्पन पद सेवा के खातिर ,
जग में आई अधिकार भेटल
        आदर करैत छी जन - जन सं ,
        प्रिये पाठक छी अतिथि हमर

 प्रेम - भाव भाई चारा के संग ,
मानव अहि सँ प्यासल आई
एक - दोसर के पार लगाऊ ,
जन - जन से ई नारा हमर
        आदर करैत छी जन - जन सं ,
        प्रिये पाठक छी अतिथि हमर













(मदन कुमार ठाकुर )

रविवार, 12 दिसंबर 2010

सोनी पर "झलक दिखला जा"

सोनी एंटरटेनमेंट चैनल पर एखन सं किछुए देर पछाति,झलक दिखला जा शुरू भ रहल अछि। नृत्य आधारित एहि कार्यक्रम में माधुरी दीक्षित,मलाइका अरोड़ा सन कलाकार आ नृत्य निर्देशक रेमो डिसूजा केर सहभागिताक कारणें एहि कार्यक्रमक प्रतिएं दर्शक वर्ग में बेश उत्सुकता छैक। शो केर पंचलाईन छैकःहर सेलिब्रिटी का मिशन,इंडिया का मनोरंजन

एहि प्रोग्राम मे स्ट्रीट डांसिंग,स्विंगिंग सिक्सटीज,70 केर दशक कें डिस्को,सुपरस्टार स्पेशल केर अतिरिक्त शैडो डांसिंग,ब्लाइंड फोल्ड,रोप एक्ट्स आर मिड-एयर डांसिंग सेहो देख सकब।

कार्यक्रम केर प्रत्येक शो घंटा भरि चलत। जेना पहिने धारावाहिक सभ 13 एपिसोड के रहैत छल,तहिना इहो कार्यक्रम तेरहे कड़ी धरि निर्धारित कएल गेल छैक। कार्यक्रम संचालन मोना सिंह आ सुमीत राघवन कें हाथ मे रहतन्हि। प्रत्येक एपिसोड मे थीम हर्डल आ स्पेशल परफॉर्मेंस कें जोड़ल गेल छैक। बीबीसी वर्ल्डवाइड द्वारा निर्मित एहि कार्यक्रम मे सिनेमा,टीभी,खेलजगत आ संगीते जगत टा नहि,राजनीतिक मैदानक खेलाड़ीलोकनि कें सेहो देख सकब। प्रसारण सोम सं ब्रैस्पति धरि राति 9 बजे सं हएत।

पटना पुस्‍तक मेला (10-21 DECEMBER, 2010)/

पटना पुस्‍तक मेला  (10-21 DECEMBER, 2010)/ 

 

ANTIKA PRAKASHAN,पटना पुस्‍तक मेलामे 10 से 21 दिसंबर, 2010 तक अंतिका प्रकाशनक स्‍टॉलपर

(E-10) मैथिली पोथीक लेल स्‍वागत अछि।

शुक्रवार, 10 दिसंबर 2010

nalka me toti



bhojpuri dhamal
mukesh mishra ke neeka prastuti
nalka me toti
gayak - hari raj
lekhak - mukesh mishra , hari raj

गुरुवार, 9 दिसंबर 2010

हाकिम भ गेलाह- किशन कारीगर

हाकिम भऽ गेलाह

किएक चिन्हता आब कका
ओ तऽ हाकिम भऽ गेलाह
अबैत रहैत छथि कहियो कऽ गाम
मुदा अपने लोक सॅं अनचिन्हार भऽ गेलाह।

जूनि पूछू यौ बाबू हाकिम होइते
ओ कि सभ केलाह
बूढ़ माए-बाप के छोड़ि कऽ एसगर
अपने शहरी बाबू भऽ गेलाह।

आस लगेने माए हुनकर,गाम आबि
बौआ करताह कनेक टहल-टिकोरा
नहि परैत छनि माए-बाप कहियो मोन
मुदा खाई मे मगन छथि पनीरक पकौड़ा।

झर-झर बहए माएक ऑंखि सॅं नोर
किएक नहि अबै छथि हमर बौआ गाम
मरि जाएब तऽ आबिए के कि करबहक
हाकिम होइते, किएक भेलह तांे एहेन कठोर

ई सुनतैंह भेल मोन प्रसन्न
जे अबैत छथि कका गाम
भेंट होइते कहलियैनि कका यौ प्रणाम
नहि चिनहलिअ तोरा बाजह अपन नाम।


ऑंखि आनहर भेल कि देखैत छियै कम
एना किएक बजैत छह बाजह कनेक तूंॅ कम
आई कनेक बेसिए बाजब हम
अहूॅं तऽ होएब बूढ़ औरदा अछि कनेक कम।


कि थीक उचित कि थीक अनुचित
मोन मे कनेक अहांॅ विचार करू
‘किशन’ करत एतेबाक नेहोरा
जिबैत जिनगी माए-बापक सतकार करू।

नहि तऽ टुकूर-टुकूर ताकब एसगर
अहिंक धिया पूता अहॉं के देख परेता
बरू जल्दी मरि जाए ई बूढ़बा
मोने-मोन ओ एतबाक कहता।


लेखक:- किशन कारीग़र

गुरुवार, 2 दिसंबर 2010

विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

( समस्त मैथिल मिथिला वाशी के ,श्रेष्ठ गन के नमस्कार आ छोटका नन्हां बोवा - बुची सब के प्यार भरल शुभ आशीष)---



जय मैथिल जय मिथिला

समस्त मैथिल, मिथिला वाशी अपनेक सब गोटे आमंतरण छी ,
नॉएडा स्टेडियम के प्रांगन में दिनांक -०४ - १२- २०१० के
समय - रात्रि समय के ७ बजे से भोर तक

विद्यापति स्मृति पर्व समारोह 
                            के आयोजन कैय्ल गेल अछि ,

        अहि समारोह में अप्पन मिथिला के जानल - पहचानल गायक वा गायिका सब भाग लेतैथ , हुनक मनोबल बढाबाई के लेल , ओही में अहूँ लोकेन अप्पन समस्त परिवारक संग आबी के हुनक लोकेन के स्वागत करी आ संगीतक आनंद उठावी ,

जय मैथिल , जय मिथिला

बुधवार, 1 दिसंबर 2010

बँटवारा -किशन कारीगर

बँटवारा

कियो धर्मक नाम पर कियो जातिक नाम पर
कियो पैघक नाम पर कियो छोटक नाम पर
एहि समाजक किछू भलमानुस लोक
अपने मे कऽ लेने छथि बँटवारा।

हे यौ समाजक कर्ता-धर्ता लोकनि
किएक करेलहुॅं अपने मे बटवारा
आई धरि की भेटल एतबाक ने
छोट पैघक नाम पर अपने मे मैथिलक बॅंटवारा।

आई धरि शोक संतापे टा भेटल
आबो तऽ बंद करू एहेन बँटवारा
नहि तऽ फेर अलोपित भ जाएत
मिथिलांचलक एकटा ओ मैथिल धु्रवतारा।

हे यौ मिथिला केर मैथिल
जूनि करू अपने मे बँटवारा
ई मिथिला धाम सबहक थिक
एक दोसर केर सम्मान करू ई बड्ड निक।

हम कहैत छी मैथिलक कोनो जाति नहि
सभ गोटे एक्के छथि मिथिलाक धु्रवतारा
नहि कियो पैघ नहि कियो छोट
आई सभ मिलि लगाउ एकटा नारा।

कहबैत छी बुझनुक मनुक्ख मुदा
बँटवारा कऽ तकैत छी अपने टा सूख
एक बेर सामाजिक एकता लेल तऽ सोचू
गोत्र सगोत्रक फरिछौट मे आबो तऽ ओझराएब छोरू।

हम छी मिथिला केर मैथिल
हमर ने कोनो जाति अछि
सभ मिली मिथिला केर मान बढ़ाएब
आई सभ सॅं "किशन" एतबाक नेहोरा करैत अछि।

एक्कईसम शताब्दी नवका एकटा ई सोच
नहि कोनो भेदभाव नहि कोनो जाति-पाति
सभ मिली हॅसी खुशी सॅं करब एकटा भोज
एक्के छी सभ मैथिल गीत गाउ आई भोरे-भोर।

सबहक देहक खून एक्के रंग लाल अछि
मुदा तइयो जातिक नाम पर बँटवारा भऽ गेल अछि
सपत खाउ आ सभ मिली लगाउ एकटा नारा
आब नहि करब धर्म जातिक नाम पर हिंदुस्तानक बँटवारा।



लेखक:- किशन कारीग़र


परिचय:- जन्म- 1983ई0(कलकता में) मूल नाम-कृष्ण कुमार राय ‘किशन’। पिताक नाम- श्री सीतानन्द राय ‘नन्दू’ माताक नाम-श्रीमती अनुपमा देबी।
मूल निवासी- ग्राम-मंगरौना भाया-अंधराठाढ़ी, जिला-मधुबनी (बिहार)। हिंदी में किशन नादान आओर मैथिली में किशन कारीग़र के नाम सॅं लिखैत छी। हिंदी आ मैथिली में लिखल नाटक आकाशवाणी सॅं प्रसारित एवं दर्जनों लघु कथा कविता राजनीतिक लेख प्रकाशित भेल अछि। वर्तमान में आकशवाणी दिल्ली में संवाददाता सह समाचार वाचक पद पर कार्यरत छी। शिक्षाः- एम. फिल(पत्रकारिता) एवं बी. एड कुरूक्षेत्र विश्वविद्यालय कुरूक्षेत्र सॅं।