(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 19 फ़रवरी 2016

मैथिलि भाई - बंधू ध्यान देव


.
"मैथिल मंच " सँ जुड़य लेल सतत समर्थन लेल धन्यवाद

"मैथिल मंच" पुन: एहि बेर एकटा नव प्रयास प्रारंभ कय रहल अछि जहिमें हमसब समस्त मैथिलजन सँ सम्पर्क कय हुनका सबसँ किछु आग्रह करब जेना कि :

.
1.
एक दोसर सँ यथासंभव सदैव मैथिली भाषा में बात करी  .

2. समस्त मैथिल संस्था सँ अनुरोध जे अपन संस्थाक लोगो कार्यक्रम में बेसी सँ बेसी मिथिला पेंटिंग के प्रयोग करी   गूगल सँ मिथिला पेंटिंग फ्री में नहि लय कोनो ने कोनो कलाकार सँ बनबाबी कलाकार के यथासंभव आर्थिक मदद उचित सम्मान करी


"मिथिला पेंटिंग" सँ जुड़ल कोनो मदद लेल "मैथिल मंच" सदैव मदद लेल तत्पर अछि कोनो तरहक आवश्यकता पर manchmaithil@gmail.com पर मेल वा 9871687391 पर सम्पर्क कय सकय छी।
.
3. "मैथिल मंच" के सदस्य सबसँ आग्रह जे कम सँ कम एकटा वस्त्र मिथिला पेंटिंग सँ बनल जरुर खरीदी ताकि कलाकार के  मंच के तरफ सँ मदद भय सकय। समस्त मैथिल संस्था सँ सेहो अनुरोध जे मंच के अनुसरण करी एहि कार्यक्रम में। मिथिला पेंटिंग सँ बनल टी-शर्ट, कुर्ता, साड़ी, दुपट्टा, कुर्ती अनेको समान हमसब उपलब्ध करा सकय छी। उपलब्धता हेतु manchmaithil@gmail.com या 9871687391 पर Whatsapp कय सकय छी
.
4. समस्त मैथिलजन सँ आग्रह जे एकटा पाग एकटा मिथिला पेटिंग अपन-अपन घर में जरुर राखी दोसर के सेहो प्रेरित करी "मैथिल मंच" हर तरह के हर कीमत के मिथिला पेंटिंग आहां तक पहुंचाबय लेल प्रतिबद्ध अछि  

.5. मैथिलजन जे सब इंटरमीडिएट पास कय कोनो ने कोनो कारणबस पढ़ाई छोड़ि अपन रोजगार में लागि गयलौ वा आगा  नहि पढ़ि सकलौ, हुनका सब लेल "मैथिल मंच", मैथिली भाषा लय स्नातक तक के सुगम पढाई के व्यवस्था लेल प्रतिबद्ध अछि मंच के मार्गदर्शकगण एहि प्रयास के नीक समर्थन कय थहल छथि इच्छुक सदस्य के लेल सब तरहक मदद लेल तैयार छथि। सदस्यगण सँ आग्रह जे आगा बढ़ू अपन आसपास के भाई-बहिन के सेहो प्रेरित करी



6. "मैथिल मंच", मैथिली साहित्य सँ जुड़ल एकटा प्रयास करय जा रहल अछि जहि में मंच आगा सँ मिथिला पेंटिंग के साथे "मैथिली साहित्य" के प्रदर्शनी सेहो लगायत सतत प्रयासरत रहत अपन साहित्य लेल किछु ने किछु नव प्रयास करी। इच्छुक गण मैथिल मंच सम्पर्क कय सकय छी अपन पुस्तक प्रदर्शनी में जोड़य लेल।
.
"मैथिल मंच" के आगा बढ़ाबय लेल आहांसबके सुझाव आपेक्षित अछि हर तरहक सुझाव लेल manachmaithil@gmail.com पर मेल कय सकय छी वा 9871687391 पर Whatsapp पर मैसेज कय सकय छी वा www.maithilmanch.com   साईट पर जा कय Contact Us में जा अपन विचार दय सकय छी। आहां सबहक विचार हमरासब लेल बहुत महत्वपूर्ण अछि  

.जय मिथिला
जय जय मैथिल