मंगलवार, 4 जुलाई 2023
हमर पट्टीटोल गाम
हमर पट्टीटोल गाम यो ,
हमरो अच्छी अभिमान यो ---२
बरका - बरका लोक जतय अच्छी -२
नेता और विद्वान यो ---
हमर पट्टीटोल - हमरो अच्छी -२
डॉक्टर -इंजिनयर C A डिग्री ,
धने रहल पर देश यो - २
गोनू भैया नाम कमेलथि ,
बैस के अप्पन दलान यो --२
हमर पट्टीटोल -- हमरो अच्छी -२
लुल्हा - नगरा , बोका अन्हरा -
ओकरो अच्छी गुमान यो -- २
लेटर काका के बात की कहु --२
गामक छैथि ई शान यो -
हमर पट्टीटोल -- - हमरो अच्छी -२
अनन्त भगवन क ज्योतिष चर्चा ,
शिव नंदन गुणगान यो -२
लालू ठाकुरक टाका के चर्चा ,
मुसाय बाबा , गामे - गामे -दलान यो
हमर पट्टीटोल -- - हमरो अच्छी -२
नेता - मुखिया , पंच - समिती ,
सब भीख मंगाय दलान यो --२
वृद्धा - पेंशन , इंद्रा आवास ले
मदन भेला बदनाम यो ----
हमर पट्टीटोल -- - हमरो अच्छी -२
रंग - विरंगी ऑडियो - विडियो ,
भक्ति- भजन गुणगान यो -२
घरे - घरे गीत बजैया -२
एम् - एम् पी के , मधुर तान यो
हमर पट्टीटोल -- हमरो अच्छी -२
बाबा भैरव के नगरी कहबैत
कमरथुवा के मुख नाम यो -२
दक्षिण कोन में बाबा विराजैथी -२
माँ दुर्गा बिच ठाम यो
हमर पट्टीटोल -- हमरो अच्छी -२
मदन कुमार ठाकुर
पट्टीटोल , भैरव स्थान
झंझारपुर , मधुबनी
बिहार -847404
मो -9312460150
सदस्यता लें
संदेश (Atom)