मैथिलि अकादमी, (पटना) के सोजन्य स २७ अप्रैल २०११ क कालिदास महाविद्यालय उचैठ(दुर्गास्थान), बेनीपट्टी,मधुबनी (बिहार) के पवन भूमि पर विशाल सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन अकादमी के अध्यक्ष मिथिला के चर्चित रचनाकार, कलाकार, संचालक, आ मैथिल प्रेमी श्री कमलाकांत झा (फोन न.०९४३१२५३६६०)के नेतृत्व में कायल जा रहल आइछ, मात्र १ वर्ख में अखन तक मैथिलि अकादमी पटना द्वारा मैथिलि के बहुत राश विलुप्त पुष्तक पुष्तिका के प्रकाशन, मैथिलि धरोहर नाटकक मंचन, पुष्तक मेला के आयोजन, अवं बहुत राश सांस्कृतिक कार्यक्रम नै की सिर्फ दरभंगा, मधुबनी जिला में बल्कि समस्तीपुर,मुजफरपुर, बेगुसराई,भागलपुर, पुरनिया, सहरषा,सुपौल आदि मिथिलांचल के हर छेत्र में मैथिलि भाषक विकाश में अपन क्रन्तिकारी योगदान के रहल. संस्था के अध्यक्ष श्री कमलाकांत झा जे अपन जीवन के महत्वपूर्ण समय मिथिला मैथिलि के प्रचार प्रसार में लगा देला आई अपन कन्धा पर मैथिलि भाषक विकाशक बीरा लेने मिथिलांचल के गाम गाम घूमी रहल छैथ....
मिथिथांचल के जननी छिनामाश्तिका देवी माँ दुर्गा के अस्थान उचैठ में जोर सर स आई कार्यक्रम के सफल बनवा में अस्थानीय लोक सब बहुत उमंग के संग दिन रात लागल छैथ. आई कार्यक्रम में मैथिलि के सुपरिचित कलाकार रंजना झा, कुंजबिहारी,रामबाबू भगवन बाबु, डॉ. नलनी चौधरी, अरविन्द आर बहुत राश मैथिलि के सुविख्यात कलाकार सब औत. आई कार्यक्रम के मुख्य अतिथि बिहार के उप मुख्यमंत्री श्री सुशिल मोदी, विनोद नारायण झा, सालिग्राम यादव, हुकुमदेव यादव, आरो बहुत अस्थानीय नेता सब रहता. अकादमी के अध्यक्ष कमलाकांत झा के कहब मी अकादमी के मुख्य काज मैथिलि मिथिला के प्रचार के लेल मिथिलांचल के जन जन के जगेनाई थीक...
-----पंकज झा
बड नीक लागल जे अपनेक साईट पर मैथिली में लिखला गप्प पढ्लौ. अहाँक संस्था आ साईट दिन दुनी और राइट चौगुनी विकास कराइ से हमर शुभकामनाये. मिथिला आ मैथिली के उत्थान आ विकास के लेल सदैब तत्पर आदरणीय विनोद नारायण झा वरिष्ठ भाजपा नेता एवं विधायक बेनीपट्टी के साईट पर सेहो देखला जा सकैत अछि. www.VNJha.in
जवाब देंहटाएंअपनेक
विभय कुमार झा