(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शनिवार, 23 जुलाई 2016

मधुश्रावणी पूजा


 सम्पूर्ण मधुश्रावणी पूजा 

    मधुश्रावणी पूजा सैं पहिने लड़का बाला ओहिठाम लड़की बला क ओतय सं नोत जाइत अछि. नोत में पांच टा रांगल सुपारी आ पीरा कागज़ पर लाल कलम सं लिखल लड़का क पिता क नाम सं पता जाइत अछि . मधुश्रावणी पूजा क ओरिआओन जाहि कन्या के नव विवाह भेल छनि ओ सावन क चौठ क संध्या काल भिन्न प्रकारक फूल आ पात तोरि रखैत छैथ जाहि   घर में पूजा होयत टकरा बढियां सैं साफ़ कय निचा देल चित्र क अनुसार अरिपन पडत ।
पूजा क सामग्री –
गौरी बनेवाक लेल
साँझ खन भगवती ,महादेव ,ब्राह्मण ,हनुमान और गौरी कय गीत गावि, दुईब,कांच हल्दी ,धनिया (कनी )मिला क गौर बनत,जकरा ढउरल सरवा पर एकटा सिक्का पर गौरी राखि पान क पात स झापि ,पान क पात क ऊपर सिंदूरक गद्दी राखि ललका कपडा स झापि भगवति लग राखि देवेइ I
पाँच टा मैना पात आ पाँच टा केरा पात सासुर दिस सं आ पाच टा मैना पात आ पाँच टा केरा पात नैहर दिस सं रहत जाहि में सबटा पर पाँच पाँच टा बिसहारा सिन्दूर सं ,काजर सं ,पिठार सं आ श्री खंड चानन सं लिखल जायत


 कुसुमावती,पिङ्गला,चनाई,एवं लीली क पूजा क लेल चारि गोट करा क पात क पुड़ा बनायल जायत
नैवेद्य क लेल – अरवा चावल,चूड़ा,चीनी ,आम,कटहल,केला,अंकुरी , चनाई क हेतु एकता डाली में अरबा चावल ,पैसा और एटा छाछी में दही रहत ,
बिन्नी के मोटरी में – धनी,धान,दुब ,हरिद ,सुपारी ,बड़ी इलाइची,लौंग ,छोटकी इलाइची (11 टा क )आ पैसा सब के एक टा ललका कपडा में बाँधी के पोटरी बनायल जायत, 

पुरहर ,पातिल आ ओहि के निचा में धान राखल जायत
गाय क दूध ,पान सुपारी ,गौरी क लेल फूल ,नीम क पात,नेबू,कुश,पाँच टा मईटक बिसहारा नैहर सं आ पाँच टा सासुर सँ ।। 

 पहिल दिन क कथा
मौना पंचमी क कथा -
एक दिन एकटा बूढी स्नानक हेतु पोखैर गेलि त देखलखिन जे धार में एकटा चिकनी पात पर पाँच टा किछु लहलाहैत अछि I ओ जीव सब बूढी के कहलखिन जे –हे बूढी ! गाम जा क लोक सब के सूचित क दिअऊ जे आई मौनी पंचमी थिकैक से लोक सब अपना घर आँगन के निक जेकाँ पवित्र कय,स्नान कय पाँच टा मईटक आकृति बना ओहि में सिंदूर-पिठार लगा दूभि साईट देथिन आ हुनका पर नेबो, नीमक पात ,कुश चढेथिन I नव बर्तन में खीर आ घुरजौर बनेती .ओकर बाद बिसहारा क पूजा कय हुनका दूध,लावा ,खीर आ घुरजौर चढ़ा अपनों सब नेबो नीम खीर-घुरजौर के सेवन करैथ I जे कियो एही प्रकारे पूजा करता तिनका कल्याण हेतनि I
    बूढी गाम आबि सबके कहलखिन I सब गोटा बूढी के कहलानुसारे पूजा केलनि,मुदा किछु लोग एकरा मात्र खिस्सा बुझि अनठा देलैथ I जे सब पूजा केलैथ से सब त ठीक रहला मुदा जे नय केलैथ से सब राति में मरि गेल I गावँ में हाहाकार मचि गेल I सब लोग धार लग ओहि बूढी संगे फेर गेलैथ त देखलखिन जे पाँचो बिसहारा साँप ओहिना लहलहैत छेलेथ I सब हुनका आगु कल जोरि मुइला क जियेवाक उपाय पुछलखिन I तखन बिसहारा कहलखिन जे – पहिने त ओ सब हमरा अनुसारे पावनि नहीं केलैथ ते सब मरि गेला ,आब एके उपाय जँ गाम में ककरो कराही में खीर-धोरजौर लागल हैत तँ ओकरा मूईल सब के मुँह में चटा देवैक त ओ सब पुनः जीवित भय जेता मुदा आगु सं नियमित मौनी पंचमी के पूजा करता I
    गाम क लोक बिसहारा क कहलानुसार केलेथ आ सब मुइल लोक सब पुनः जीवित भय गेला ,और सब गोटा बिसहरी माता क प्रणाम कई हुनका स क्षमा मंगलैथ I
बिसहारा क जन्म
   एक दिन गौरी महादेव सरोवर में जल क्रीङा करैत छलाह I संयोगवश शिव के वीर्य स्खलन भय गेल I महादेव ओकरा पुरैनिक पात पर राखि देलखिन I ओहि सं बिसहारा पाँचो बहिन क जन्म भेल I महादेव के अपना संतान पाँचो बिसहारा सं मोह भय गेल ,ओ प्रतिदिन सरोवर में स्नान लेल जाथिन आ बङी -बङी काल धरि ओकरा सब संगे खेलैथ I गौरी क संदेह होमए लगलैन I ओ एक दिन महादेव के पाछु पाछु सरोवर तक गेलथ आ ओतय शिव के अनका संगे खेलाइत देख क्रोधित भय गेलैथ आ सब बिसहरी के फेकए लागलि I तखन महादेव हुनका बुझेलखिन जे ई सब हुनकर बेटी छिएनि आ कल्याणकारी छैथ I मृत्युभुवन में सावन मास जे एय पाँचो बहिन छी-जाया ,बिसहरी ,शामिलबारी आ दोतलि के पूजा करतैथ ओ धन-ध्यान सं पूर्ण होयतथि आ ओकरा सब तरहे कल्याण होयत I
कथा सुनला उपरांत नीचा लिखल बाचो बीनी सुनितीं - 
बाचो - बीनी
“पुरैनिक पत्ता ,झिलमिल लत्ता ताहि चढ़ी बैसली बिसहरी माता I
हाथ सुपारी खोईंछा पान ,बिसहरी माता करती शुभ कल्याण “II
  देवता सब के प्रणाम करि बिनी क पोटरी कलश पर राखि सब जेष्ठ सब के प्रणाम करि ,पूजा बला साडी खोलि राईख देथिन,जकरा फेर सब दिन पूजा काल पहिरल जायत I
    साँझ में साँझ आ कोहवर क गीत गायल जायत I एहिना मधुश्रावनी सं एक दिन पूर्व तक पूजा कथा आ बीनी होईत रहत I
   पहिल दिनक मधुश्रावणी पूजा कथा समाप्त भेल , आगू क्रमशः दिन प्रतिदिनक पूजा कथा प्रेषित करैत रहब..कुनु त्रुटि लेल समस्त मिथिला सँ क्षमा चाहब..!!!

Neelam Jhaa 
 मिथिला मंथन

साभार - संस्कार मिथिला

गुरुवार, 16 जून 2016

मैथिलि पंचांग 2016 -17

मैथिलि पंचांग 2016 -17



सौजन्य सं - 


सोमवार, 23 मई 2016

आम का आम और गुठली के दाम , से किया आउ देखु

आर्युर्वैदिक मतानुसार आम के पंचांग (पाँच अंग) काज अबैत अछि। एही वृक्षक अंतर्छाल केर क्वाथ प्रदर, खूनी बवासीर आ फेफड़ा वा आँत सँ रक्तस्राव भेला पर देल जाइछ। खाल, जैड़ आ पातक कसैल, मलरोधक, वात, पित्त आ कफ के नाश करय वाला होइत छैक। पात बिच्छू के कटला पर आ एकर धुआँ कंठ केर किछु व्याधि आ हिचकी में लाभदायक होइछ। आमक बौर शीतल, वातकारक, मलरोधक, अग्निदीपक, रुचिवर्धक आ कफ, पित्त, प्रमेह, प्रदर आ अतिसार कें नष्ट करय वाला होइछ। काँच आम कसैला, खट्टा, वात पित्त के उत्पन्न करयवाला, आँतक सिकुडब्, कंठक व्याधि के दूर करय वाला आ अतिसार, मूत्रव्याधि और योनिरोग में लाभदायक बताओल गेल अछि। ‪#‎पाकल‬ फल मधुर, स्निग्ध, वीर्यवर्धक, वातनाशक, शीतल, प्रमेहनाशक आ रुधिर के रोग सब के दूर करयवाला होईत अछि। ई श्वास, अम्लपित्त, यकृतवृद्धि आ क्षय में सेहो लाभदायक होइछ।
      आधुनिक अनुसंधानक अनुसार आम के फल में विटामिन ए आ सी पाओल जाइछ। अनेक वैद्य केवल आम के रस आ दूध पर रोगी के राखि क्षय, संग्रहणी, श्वास, रक्तविकार, दुर्बलता सन रोगक निवारण में सफलता प्राप्त कयलनि अछि। फलक खोईंचा गर्भाशय के रक्तस्राव, रक्तमय कारी दस्त में तथा मुँह सँ बलगम के संग रक्त जेबा में उपयोगी होइत छैक। आँठी के गरी केर चूर्ण श्वास, अतिसार आ प्रदर में लाभदायक हेबाक अलावा कृमिनाशक सेहो होइत अछि।
पाकल आम बहुत स्वास्थ्यवर्धक, पोषक, शक्तिवर्धक आ चरबी बढ़बै वाला होईत अछि। आमक मुख्य घटक शर्करा छै, जे विभिन्न फल सब में में ११ सँ २० प्रतिशत तक विद्यमान रहैत छैक। शर्करा में मुख्यतया इक्षु शर्करा होइत अछि, जे कि आम के खेबाक योग्य हिस्सा के ६.७८ सँ १६.९९ प्रतिशत छै। ग्लूकोज़ वा अन्य शर्करा १.५३ से ६.१४ प्रतिशत तक रहैत छै। अम्ल में टार्टरिक अम्ल वा मेलिक अम्ल पाओल जाइछ, एकरा संगहि संग साइट्रिक अम्ल सेहो अल्प मात्रा में पाओल जाइछ।

       आम के अन्य घटकएहि प्रकार अछि - प्रोटीन ९.६, वसा ०.१, खनिज पदार्थ ०.३ रेशा, १.१ फॉसफोरस ०.०२ आ लौह पदार्थ ०.३ प्रतिशत। नमी के मात्रा ८६ प्रतिशत होइछ। आमक औसत ऊर्जा मूल्य प्रति १०० ग्राम में लगभग ५० कैलोरी रहैत छैक।

संकलन आ अनुवाद :  Niraj Mishra Munnu

सोमवार, 25 अप्रैल 2016

मिथिला के समस्या से निदान कोना होयब ताहि पर चर्चा ( देल्ही एन सी आर )

२४.०४.२०१६  अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा जी के अध्यक्षता में आ बिधान पार्षद श्री संजय झा के अगुवाई में  सेक्टर ८२ पैकेट ७ के अंतर्गत  शिव मंदिर के प्रांगण  में  बैसार  आयोजन  सम्पन्य भेल , जहि में मिथिला - मैथिलि सम्बंधित जतेक भी  देल्ही  एन सी आर में  रजिस्टर्ड  संस्था  या एंजियो  अच्छी  सब के एक जुट होयक लेल बिचार - विमर्श  भेल , 

    मिथिला  के समस्या / समाधान के नजैर धयान रखैत -  विभिन  मुदा के  चर्चा भेल , जहि में संजय झा  जी द्वार  मिथिलाक समस्या के बारे में  विशेष  रुप जानकारी  भेल  , चाहे ओ  मिथिला के यता- यात  रेल समस्या हो , मिथिला से १००० कोस दूर  अपन पेट खातिर  पलायन  हो , या शिक्षा के क्षति पुरती  हेतु कोनो   और सहर हो , मिथिला के  कल्चरल / संस्कृति  के समस्या हो , अही सब समस्या के  ध्यान में राखैत  मैथिल जन  सन  निबेदन और आग्रह केला  सब गोटे  एक जुट  होय, 

देल्ही   एनसीआर  से  लगभग  एक सौ से अधिक संस्थ से जुरल  संस्था गत अभियानि उपस्थित दर्ज करेला  ,  बैसार में श्री संजय झा जी के मिथिला गौरव से सब संस्था के पदाधिकारी दुआरा सम्मानित केल गेल एवं सब संस्था एवं सब मैथिल एक जगह आबैक लेल तैयार छैथ एक बात मुख़्य रूप सेहो उठाओल गेल जे नॉएडा में हमर जन संखया अधिकाधिक अछि तै आगामी उतर प्रदेश विधान सभा चुनाब में मिथिलाक  उम्मीदबार  होयथ  एवं सब संस्था एवं सब मैथिल एक जगह आबैक लेल तैयार  होयत   , 


   एहि  विचार - विमर्श  गोष्ठी   में मिथिला - मैथिलि से जुरल  संस्था के पदाधिकारी -:  शैलेन्द्र मिश्र , श्री संजय झा जी , डॉ सतीश झा , दीपक झा,राजकुमार जी, मदन जी ,शतीशचंद्र जी, जितेंदर पाठक जी ,रोहित यादव, रंजीत लाल दास ,बीरबल यादव , प्रसून झा ,  मोहन राज ,  श्याम नन्द झा , विजय कुमार झा , अजय श्री वास्तव , दीपक तिवारी , मदन कुमार ठाकुर,  संतोष जी , नारायण झा ,धनि राम , बलराम मिश्र ,प्रदीप ठाकुर ,मणिभूषण झा ,वीरेंदर, अमर नाथ झा  , प्रेम चन्दझा ,आशा यादव,  अनुराधा झा, दीपेन्द्र सिंह, अहमद अली, घूरन मंडल, रामभरोस पासवान, बेचन राय, सुबोध यादव तथा बदरूज्जमां अंसारी  इतियादी  लगभग २०० के आस पास मिथिला  वासी  उपस्थित भेलाह , 

शनिवार, 26 मार्च 2016

मिथिला राज्य निर्माणक लेल 26-27 मार्च 2016 दिल्लीक जंतर-मंतर पर २ दिनक उपवास

मिथिला राज्य निर्माणक लेल 26-27 मार्च 2016 दिल्लीक जंतर-मंतर पर 
२ दिनक उपवास .... 



  मिथिलाक ऐतिहासिकताक संग भेल अन्याय के प्रतिकार अछि मिथिला राज्य निर्माणक मांग... 
छः करोड़ मिथिलावासीक सम्माऩ अछि अप्पन मिथिलाक पुनरोत्थान... गरीबी, बेकारी - बेरोजगारी, उद्योगविहीनता, बाढि-रौदी व सरकारी उदासीनताक समाधान अछि पृथक मिथिलाक स्थापना... जातिवादिताक मकड़जाल मे फसाओल गेल मिथिला समाजक एकसूत्रताक ऐलान अछि विश्वप्रसिद्ध मिथिलाक पुनर्गठन ।

अपने समस्त मिथिलावासीक
उपस्थितिक आकांक्षी .......
उपवासकर्त्ता :- मनोज झा ,
मिथिला राज्य आंदोलनकारी
8750605079