सरस्वती वन्दना
विद्याक देवी , हमर अछि प्रणाम ।
अहाँ तेजि जैयो नञि मिथिलाक धाम ॥
गंगा आ कोशी , कमला गंडक बहैत अई ।
घर - घर में वेद गीता पोथी रहैत अइ ॥
जतयक बेटी सीता ने ने अयली राम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी- --
चिनुआर पर गोसाउनिक पीरी रहैत अई ।
जिनकर अपार महिमा घर - घर गबैत अई ॥
गोवर सँ नीपल , आ अड़िपन ललाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी- -
भोजन आ भेष वाणी ,अमृत जतयक अई ।
सेबा अतिथि स्वागत ,स्वीकृति जतयक अई ॥
जतय आबि भोला बनल छथि गुलाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी- -
बिसरि गेल मिथिला में एकबेर आऊ ।
"रमण " मैथिलीक गीत वीण पर बजाऊ ॥
एकबेर जगमग अपन करू नाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी-
रचना कार -
भोजन आ भेष वाणी ,अमृत जतयक अई ।
सेबा अतिथि स्वागत ,स्वीकृति जतयक अई ॥
जतय आबि भोला बनल छथि गुलाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी- -
बिसरि गेल मिथिला में एकबेर आऊ ।
"रमण " मैथिलीक गीत वीण पर बजाऊ ॥
एकबेर जगमग अपन करू नाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी-
रचना कार -
रेवती रमण झा " रमण "
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा ,मिथिला
मो 09997313751
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा ,मिथिला
मो 09997313751