सरस्वती वन्दना 
विद्याक     देवी ,   हमर  अछि प्रणाम  । 
 अहाँ  तेजि  जैयो  नञि  मिथिलाक धाम ॥ 
  गंगा  आ कोशी , कमला गंडक बहैत अई  ।
  घर - घर  में  वेद   गीता  पोथी  रहैत अइ  ॥  
जतयक   बेटी  सीता   ने  ने अयली राम  । 
           अहाँ  तेजि --- विद्याक  देवी- --
चिनुआर  पर  गोसाउनिक  पीरी  रहैत अई । 
जिनकर अपार महिमा  घर - घर गबैत अई ॥ 
गोवर   सँ   नीपल  , आ  अड़िपन ललाम  । 
                   अहाँ  तेजि --- विद्याक  देवी- -
भोजन आ भेष वाणी ,अमृत जतयक अई ।
सेबा अतिथि स्वागत ,स्वीकृति जतयक अई ॥
जतय आबि भोला बनल छथि गुलाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी- -
बिसरि गेल मिथिला में एकबेर आऊ ।
"रमण " मैथिलीक गीत वीण पर बजाऊ ॥
एकबेर जगमग अपन करू नाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी-
रचना कार -
भोजन आ भेष वाणी ,अमृत जतयक अई ।
सेबा अतिथि स्वागत ,स्वीकृति जतयक अई ॥
जतय आबि भोला बनल छथि गुलाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी- -
बिसरि गेल मिथिला में एकबेर आऊ ।
"रमण " मैथिलीक गीत वीण पर बजाऊ ॥
एकबेर जगमग अपन करू नाम ।
अहाँ तेजि --- विद्याक देवी-
रचना कार -
रेवती रमण झा " रमण "
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा ,मिथिला
मो 09997313751
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा ,मिथिला
मो 09997313751

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें